सिन्धुपाल्चोकक पश्चिमउत्तर क्षेत्र मेलम्चीमे काइल रातिसँ भीषण वर्षाक कारण पैघ जनधनक क्षति भेल अछि । बाढ़िक कारण उत्तरी सिन्धुपाल्चोक मेलम्ची तटीय बजारसभ बगरमे परिणत भेल अछि ।
बाढ़िक कारण ४० गोटेसँ बेसी बेपत्ता भेल छथि। नदी तटीय क्षेत्रमे रहल रिसोर्टसभ आ दर्जनसँ बेसी माछ फर्म पानि बहेलाक बात बताओल गेल अछि । चनौटे, ग्याल्थुम सेरालगायत मेलम्ची तटीय क्षेत्र आ इन्द्रावती तटीय क्षेत्रमे व्यापक क्षती पहुँचलक बात स्थानीयसभ बतेने छथि। बाढ़िसँ मेलम्ची खानेपानी आयोजनाक ड्याम ए नेशनल हाइड्रोपावरक ड्याम पूर्ण रुपमे क्षतिग्रस्त भेल अछि।
बाढ़िक कारण मेलम्ची खोलामे रहल चोक्पु तथा फट्टेक पक्की पुल सेहो बहल अछि। तहिना जिलाक उत्तरी भाग तिपेनी बजार तथा पाँचपोखरी जोड़ऽवला पक्की आ झोलुङ्गे पुलसमेत बहल अछि।
वर्षा सङ्गहि विद्युत् अवरुद्ध भेलाक कारण स्थानीयसभक सम्पर्कसँ सेहो बन्चित भेल छथि । अखन उद्धार आ राहतक लेल प्रमुख जिला अधिकारीसहितक टोली अवलोकनमे जा रहलक खबर प्राप्त भेल अछि । स्थलगत अवलोकन पछाति मात्र विस्तृत विवरण आओत बताओल गेल अछि।
एहि बीच, नदीमे पानिक सतह बढ़लाबाद नदी लगक बस्ती आ बजारसभ खाली कराओल गेल अछि। मेलम्ची बजारसहित मेलम्ची (इन्द्रावती) नदी किनारक बामादिस, सिपाघाटमे बस्ती खाली कराबऽ लागल अछि।
इन्द्रावती आ मेलम्ची नदीमे आएल भीषण बाढ़िक कारण मेलम्चीक निचलका बजार क्षेत्र पूर्णरूपमे नष्ट भेल स्थानीसभ बतेने छथि । मेलम्ची नवलपुर जोडऽवला पक्की पुल समेत इन्द्रावती नदी बहौलक स्थानीयबासीसभ बतेने छथि।
Ad