News

आब Microsoft मे “Maithili” भाषा थपाएल !

Google Maithili Translation Vs Microsoft Maithili Translation ?

अमेरिकी प्राविधिक कम्पनी अल्फाविटाके अधिनस्त Google द्वारा २ साल पहिने Google Maithili Translation के सुन्दर पिचाइद्वारा लन्च भेल छल। हाल Chat Gpt आनिक AI मे सर्वाधिक चर्चित रहल Microsoft अपन Translation सुविधामे Microsoft Maithili Translation लन्च कएने अछि।

Ad

१६ दक्षिण एशियाक भाषा

मैथिली [Maithili] भाषा सङ्गे कोंकणी, मैथिली, सिंधी आ सिंहाली भाषाकेँ सेहो जोड़ल गेल। ई सुविधासब Translator, a Microsoft Azure Cognitive Service,   Microsoft Translator apps मे उपयोग होइ छै। १६ टा भाषा एकेबेर थपाएल अछि।

Microsoft Translation मे मैथिली कोना ?

Translation सुविधामे Microsoft Maithili Translation

एहिमे जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय (नई दिल्ली, भारत) केस्कूल ऑफ संस्कृत एंड इंडिक स्टडीजमे कम्प्यूटेशनल लिंग्विस्टिक्सके प्रोफेसर डॉ. गिरीश नाथ झा, डॉ. रितु निधि आओर हुनकर शोध छात्र-छात्राक टीम द्वारा मैथिलीक विकासके चैंपियन बनाएल गेल । JNU समुदाय एकर निर्माणमे मशीन अनुवाद आ संसाधन निर्माण मे अपन विशेषज्ञतासँ सहयोग कएलक।

Google Maithili Translation Vs Microsoft Maithili Translation ?

Google Maithili Translation key Point :

  • ई पूर्णत: योगदान कर्ताद्वारा बनाएल अछि।
  • गुगुलके एहिमे पैसा खर्चा नइँ भेल छल।
  • एहिमे सब कियो Crowdsource सँ योगदान देल जाइछै।
  • एहिमे मैथिलीके बिभिन्न बोली समावेश छै। ( छै, छियै, छियो, थीक, हइ, )

Microsoft Maithili Translation Key Point :

  • ई JNU तथा School of Sanskrit & Indic Studies के सिमित सहयोगसँ बनाएल गेल।
  • Microsoft के एहिमे लगानी भेल अछि।
  • एहिमे सीमित व्यक्तिके बाैद्धिक सम्पति प्रयोग भेल छै।
  • एहिमे सब कियो Edit, वा योगदान तथा सुधार नइँ क सकैछै।
  • Google Translation सँ किछ परिमार्जित छै।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles