News

गाम गामसँ आवाज एबाक चाही, मैथिली जिन्दाबाद रहबाक चाही : MiLaF Nepal श्रंखला-38

Ad

मि थिला साहित्य–कला प्रतिष्ठान नेपाल Milaf Nepal द्वारा प्रत्येक मासक अन्तिम शनिदिन आयोजित होइत आएल मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रमक श्रंखला: ३८ सप्तरीक छिन्नमस्ता गाउँपालिका, सखड़ा स्थित छिन्नमस्ता शक्तिपीठक धर्मशालामे पूस २५ गते आयोजित कएल गेल ।

जनगणनामे अपन मातृभाषा मैथिली लिखेबाक प्रतिबद्धता

शक्तिपीठक प्रमुख पुजारी भुवन ठाकुरक अध्यक्षता आ युवा नेता विजय यादवक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित कार्यक्रममे वक्तासभद्वारा अगामी जनगणनामे अपन तथ्याङ्कमे सजगतापूर्वक विवरण लिखेबा छै । ताहुमे मातृभाषा मैथिलीये लिखेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलक । अतिथिक आसनसँ बजैत स्थानीय प्रभु नारायण यादव कहलक

जे भाषा कोनो जाति अथवा धर्मक आधारमे नइँ होइ छै, भाषा समुदायक होइ छै ।

एहि ठाँमक सब जातिक भाषा मैथिली अछि आ सब क्यो अपन विवरण लिखेबामे सजग रहबाकलेल ओ आग्रहो कएलनि ।

एहि अवसर पर सुभाष विरपुरिया कहलनि जे राजविराजेमे केन्द्रित कायृक्रमसभ आब शहरसँ बाहर आनल गेल अछि आ ई निरन्तर रहत । प्रमुख अतिथिक आसनसँ बजैत विजय यादव कहलनि जे हमसभ अपन भाषाक प्रति सजग छियै आ किछु आओरो बेसी सहभागितामे दोसरो कार्यक्रम हेबाक चाही । एहि क्रममे मिलाफ नेपालक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र कहलनि जे भाषाकेँ जातिक नाममे विभाजन करबाक षड़यन्त्र भऽ रहल अवस्थामे मैथिली प्रति सबहक सजगता आवश्यक छै । ओ ईहो कहलनि जे एकटा भाषाक अनेक भाषिका होइत अछि, जे स्वाभाविक अछि, मुदा एहिसँ भाषाक नामे नहि बदलैत अछि । ओ एहि दिश सभकेँ सतर्क रहबाक आग्रह कएलनि ।

 

Top 15 Most Famous Maithili Female Singers in Mithila

साहित्यिक तथा साङ्गितक प्रस्तुतिमे

गायिका कञ्चन झा, रमिला साह आ ललिता झाद्वारा महाकवि विद्यापति ( Vidyapati Song ) रचित गोसाउनि गीतसँ प्रारम्भ भेल कार्यक्रममे कृष्ण मैथिल, कवि सत्येन्द्रनाथ चौधरी, ललिता झा धीरेन्द्र मधेशी, रमिला साह, सुभाष विरपुरिया, कञ्चन झा, देवेन्द्र मिश्र, सरोज विरपुरिया, शम्भूश्री, श्रीराम मण्डल भरोसी सहित व्यक्तिद्वारा अपन–अपन रचना, गीत आदि प्रस्तुत कएल गेल । सम्पूर्ण कार्यक्रमक सञ्चालन मिलाफक सदस्य ललिता झा कएलनि ।              -Devendra Mishra

मैथिली अभियानी होइतो मैथिलीकेँ कतिया देने अछि राजविराजक उपमेयर: करुणा झा(Opens in a new browser tab)

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- Contact@ilovemithila.com,

Related Articles

One Comment

Leave a Reply