
मिलाफ नेपालद्वारा सिरहाके भगवानपुर नगरपालिकामे ३ टा विद्यालयक विद्यार्थीसभके सहभागितामे अन्तर विद्यालय मैथिली वक्त्तृत्वकला प्रतियोगिता आयोजन कएल गेल अछि। हमर मातृभाषा, हमर पहिचान शीर्षकमे मातृभाषाक महत्व कि अछि ? विद्यार्थीके किए जरूरी छै तइ उदेश्यसँ वक्त्तृत्वकला प्रतियोगिता सम्पन्न भेल छै। उक्त कार्यक्रम संस्थाक अध्यक्ष रमिला साहके अध्यक्षतामे भेल अछि।

विभिन्न विद्यालयक ९ गोटा विद्यार्थीसभ सहभागि भेल छल। जइमे प्रथम, आरती रजक, द्वितीय ज्योती यादव, तृतीय नविन यादव, सांत्वना पुरस्कार मनिषा यादव भेल अछि।
मैथिली भाषाक लेल आब अधिकार स्थानिय तहमे आबि गेलासँ हमेसब प्रचार प्रसारके भाषा मैथिलीकेँ प्रयोग करबसे कार्यक्रमक प्रमूख अतिथि वार्ड अध्यक्षके कहब छलनि।

अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवसके उत्सवमे अइ शनिदिन ई कार्यक्रम सिरहामे कएल गेल अछि, कार्यक्रमक संयोगजक कवि रमण यादव धीरू ilovemithila.com के जानकारी देलक। संगे अगिला शनिदिन सिरहेमे पुन कार्यक्रम हुअ जा रहल जानकारी देलथि।
निर्णायकमे क्रमश:राज राय, शिक्षक अन्त नारायण यादव, कवि गजेन्द्र कुमार राय छलाह। कार्यक्रममे शिक्षक,अतिथी तथा दर्जनो विद्यार्थीसभके उपस्थितमे कार्यक्रम भेल। कार्यक्रमके संचालन गजलकार शम्भू श्री कएने छल।