राजविराजमे ‘मिथिला चित्रकला’ बनल आकर्षणके केन्द्र

‘राजविराज’ नगरपालिकाद्वारा कएल जाएवाला काज कएलक ‘शम्भूनाथ’ नगरपालिका : पब्लिकके प्रशंसा
सप्तरी, राजविराज स्थित भुमिसुधार तथा मालपोत कार्यालयके दबालक भित्तासबमे भगवान राम आ सीताक चित्र बनाक’ आकर्षक रूपमे सजाब’ जा रहल अछि। सीताक जन्म, विवाह आ विदाइक दृश्य सङ्गहि भगवान शिव आ राधाकृष्ण लगायतके देवी देवताक आकर्षक मिथिला चित्र बनेलाक बाद अखन चित्रकला देखबाक भिड़-भड़क्का लागल रहैत अछि।
९० मिटर नम्हर दबालक भित्तामे बनाओल देवी देवताक कलात्मक आ सन्देशमूलक मिथिला चित्रकला अखन सबकेँ नजरि घिचने अछि । मिथिला चित्रकलामे माहिर मिथिला थिग्ंस जनकपुरक रश्मी कर्ण, पूनम कर्ण, पूनम दत्त, खुसी कर्ण आ अंजली साह लगायतक टोली विगत १५ दिनसँ रंग आ कुची पकड़िक’ चित्रकेँ अन्तिम आकार देबामे खटल छथि। मिथिला चित्र-कलामे अपन भविष्य देखलाबाद अइमे भिड़ल पूनम कहलनि– “ दू दिनमे एतऽ के काज सठाक’ अर्डर आएल दोसर जिलामे जाएब ।” मधेश प्रदेशमे अखन विभिन्न कार्यालय, विद्यालय आ स्थानीय तहमे मिथिला संस्कृति झलकाब’ लेल मिथिला चित्रकलाक डिमान्ड बढ़ैत गेलापर उत्साहित बनल दोसर मिथिला चित्रकलाकर्मी अंजली सुनेलनि । ई टीमक लिड कएनिहारि रश्मी कर्ण ईन्जिनियरिगं अध्ययनरत छथि आ ‘Mithila Things’ क संस्थापक सेहो रहल छथि।
धार्मिक परम्परा आ संस्कृतिकेँ जोगाब’ कए संगे सरसफाइकेँ दृष्टिगत क’ कार्यालय परिसर क्षेत्रकेँ मिथिला कला मार्फत देवी देवताक चित्र सजाओल गेल कार्यालय प्रमुख दिपेन्द्र कुमार झाक कहब छनि । “ई विभिन्न राजनीतिक दलद्वारा समय-समयमे दबालक भित्तामे लिखल नारा आ पोस्टर सटबाक कार्य रूकत संगे दबालपर जहतरि-पहतरि पिसाब करब, पान आ गुटका खाक’ पिक फेकब लगायत गतिविधिकेँ सेहो निरुत्साहित करब हुनकर तर्क रहल अछि। अइ पूनीत आ नवीन कार्यमे शम्भुनाथ नगरपालिका सहयोग जुटेने अछि सेहो जानकारी देलनि।
ई प्रोजेक्ट पहल कराब’ मे उक्त कार्यलयमे कार्यरत हाकिम एवं एकाउन्टेन्ट उज्ज्वल आनन्द टीम हायर कएने छलनि आ मिथिला चित्रकला पसार’ मे सदति सहयोग करब कहलनि।
सीता रामक चरित्रकेँ जीवन्त बनेबाक कारण सीताक आदर्श मानव सभ्यता संस्कृतिक लेल अनुकरणीय रहल ओ जोड़लनि –“ई संदेश सेहो कार्यालयकेँ एनाक’ सजाओल गेल अछि ।” ओ कार्यालयके बाहिरी सजावट संगे आन्तरिक सुधार आ सेवा सुविधामे त्रुटीक सुधार’ सेहो आवश्यक काजसब करब कहलनि । एकर लेल प्रत्येक फाँटमे सिसी टिभी क्यामरा चालू क’ निगरानी करब आ विचौलियाक प्रवेशमे कडाइ करब जानकारी देलनि । ओ सेवाग्राहीक चाप देखैत राजविराज नगरपालिका आ खडक नगरपालिकाक सहयोग जुटाक’ विश्राम कक्ष आ ओसबकेँ बैठ’ लेल आवश्यक टेवुल कुर्सीक व्यवस्था सेहो मिलाओल जेल जानकारी देलनि।
त्रेता युृगमे मार्ग शुक्ल पञ्चमी तिथि दिन अयोध्याक राजकुमार भगवान श्री राम आ मिथिलाक राजा जनकक पुत्री सीताक शुभ विवाह सम्पन्न भेल छल । इहए कथाकेँ समटिक’ मालपोत कार्यालयद्वारा कएल प्रयाससँ समतामूलक, सभ्य आ सु–संस्कृत समाज निर्माणमे समेत सहयोग पहुँचत मैथिली साहित्य परिषद् सप्तरीक अध्यक्ष सतिश कुमार दत्तक कहब छनि।