News

राजविराजक प्रतिक आ प्रीति बनल मिस्टर एण्ड मिस मधेश

राजविराजक प्रतिक आ प्रीति बनल मिस्टर एण्ड मिस मधेश

Ad

इहए आशिन २० गते जनकपुरके व्यापार महासंघके सभाहॅलमे आयोजित Mr. & Miss Madhesh प्रतियोगितामे प्रतिक साह आ प्रीति शर्मा विजेता बनल छथि।

YB FILMS PRODUCTION के आयोजनामे Mr. & Miss Madhesh प्रतियोगिताके सिजन १ सम्पन्न भेल अछि। प्रतियोगिताके विभिन्न चरण पार करैत राजविराज नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ निवासी प्रतीक साह मिस्टर मधेश (Mr. Madhesh ) आ राजविराज नगरपालिका वार्ड नम्बर १२ निवासी प्रीति शर्मा मिस मधेस ( Miss Madhesh ) क उपाधि जीत’ मे सफल भेल अछि।

विजेता साह आ शर्मा जनही एक-एक लाख रुपैयाँके नगद पुरस्कारसँ पुरस्कृत भेल छथि। उक्त कार्यक्रम मधेश प्रदेश सरकारके कृषि मन्त्री माननीय संजय यादवक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles