News

मुसहर समुदायके समग्र उत्थान अभियान दिनोदिन सशक्त भ’ रहल

मुसहर समुदायके समग्र उत्थान अभियान दिनोदिन सशक्त भ’ रहल, अभियानक राष्ट्रिय, प्रदेश आ जिला संयोजक छनोट।

Ad

पुस्तो पुस्तासँ चरम गरिबी, रोग, भुक, शोक, अन्याय, अभाव, अत्याचार आ अमानवीय जीवन जीबऽ लेल बाध्य मुसहर समुदायके समग्र उत्थानक लेल सन् २००९ सँ “शक्तिहिनक सशक्तिकरण” अभियान संचालन कऽ रहल भोर ई अभियानकेँ ओओर सशक्त आ प्रभावकारी बनाबऽ लेल प्रदेश तथा जिला संयोजक तय कएने अछि । भोरक वर्तमान अध्यक्ष पचुलाल माझी मुसहरक संयोजकत्वमे सन् २००९ सँ अखनधरि ई अभियान संचालन भऽ रहल अछि। किछु मास पहिने पचुलाल माझी मुसहर भोरक अध्यक्ष भेलाक पश्चात “शक्तिहिनक सशक्तिकरणः मुसहर समुदायक समग्र उत्थान” अभियानक नेतृत्व हस्तान्तरण करबाक निर्णय भोर कएने अछि । ई अभियानक नेतृत्व हस्तान्तरण सङ्गहि अभियानकेँ आओर सशक्त आ बेसी प्रभावकारी बनाबऽ लेल अभियानक राष्ट्रिय, प्रदेश तथा जिला संयोजकसभक तोकने अछि।

“जकर सवाल ओकर नेतृत्व” सिद्धान्तमे विस्वास करऽ बला भोर शुरुसँ मुसहर समुदायके युवा तथा अगुवासभक क्षमता अभिवृद्धि तथा सुदृढिकरण करैत कार्यक्रमसभद्वारा नेतृत्व सबलीकरण करैत आएल अछि । भोरक नेतृत्वमे संचालन भऽ रहल अन्य सभ अभियान जकाँ ईहो अभियानक मानव संसाधन स्वंय सेवा एवम् सामाजिक परोपकारक सिद्धान्त अनुसारसँ परिचालन भऽ रहल दोसर महत्वपूर्ण पक्ष अछि। जइँ अन्तरगत ई अभियानक तोकल राष्ट्रिय, प्रदेश आ जिला संयोजकसभ स्वंयसेवकक रुपमे निःशुल्क काज करत।

“शक्तिहिनक सशक्तिकरण मुसहर समुदायक समग्र उत्थान” अभियानकेँ आओर सशक्त तथा प्रभावकारी बनेबाक लेल तपसिल अनुसारक राष्ट्रिय, प्रदेश आ जिला संयोजकसभ तोकल गेल अछि।

१. राष्ट्रिय संयोजक — अनुप माझी
२. सुचना प्रविधी प्राविधिक संयोजक — राज कुमार सदाय
१. प्रदेश १ संयोजक — सुदेशी रिषिदेव
२. प्रदेश १ संयोजक — भावना रिषिदेव
१. प्रदेश २ संयोजक — धनिर सदाय
२. प्रदेश २ संयोजक — सलिता सदा
१. प्रदेश ३ संयोजक — सुन्दर सदा
१. पर्सा जिला संयोजक — सनोज माझी
२. बारा जिला संयोजक — अस्मिता कुमारी माझी
३. रौतहट जिला संयोजक — नथुनी माझी
४. सर्लाही जिला संयोजक — महेश माझी
५. महोतरी जिला संयोजक — रामबेचन सदा
६. धनुषा जिला संयोजक — विजय सदा र अजय सदा
७. सिरहा जिला संयोजक — सुनिल सदा
८. सप्तरी जिला संयोजक — जयकान्त रिषिदेव र प्रविण सदा
९. सुनसरी जिला संयोजक — सुरज सदा
१०. सुनसरी जिला संयोजक — रामचन्द्र रिषिदेव
११. मोरङ्ग जिला संयोजक — उषा रिषिदेव
१२. झापा जिला संयोजक — रेखा रिषिदेव
१२. उदयपुर जिला संयोजक — बनहु सदा
१३. सिन्धुली जिला संयोजक — हरिलाल मुसहर

” शक्तिहिनक सशक्तिकरण : मुसहर समुदायक समग्र उत्थान” अभियानक आगूक कार्यसभ संयोजकसभक सहजीकरण तथा संयोजनमे आगू बढाएल जाएत। नव नियूक्त संयोजकसभकेँ अभिमुखिकरण तथा योजना निर्माणक लेल भर्चुअल बैठकी आसिन मास भितर संचालन कएल जाएत । भर्चुअल बैठकीक बाद ई अभियानक अगामी तीन वर्षक कार्य योजनाक अन्तिम रुप दकऽ सार्वजनीक कएल जाएत आ कार्यान्वयन कएल जाएत भोरक अध्यक्ष पचुलाल माझी बतेलथि ।

तथ्य साभार : भोर सँस्थापक अध्यक्ष,राजकुमार महतो ।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply