ArticlesNews

अर्थ मन्त्री साह द्वारा Music Maithili के उद्घाटन

विश्वके पहिल मैथिली भाषा-सङ्गीतक Music Streaming Platform : Music Maithili App तथा Website क उद्घाटन कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि।

Ad

विश्व सङ्गीत दिवस एहि अखाड़ ०७ ( २१ जुन) क दिन I Love Mithila Media द्वारा संचालित फेसबुक पेज ‘I Love Mithila’ पर अनलाइन (Live) माध्यमसँ Music Maithili App आ Web मधेश प्रदेशक अर्थ मन्त्री मा. शैलेन्द्र साहक प्रमुख आतिथ्यमे सार्वजनिक कएल गेल अछि।

चनमा अध्यक्ष एवं कवयित्री विभा झा, वरिष्ठ गायक गुरूदेव कामत, मैथिलीक सर्वप्रिय जोड़ी धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ रूपा झाक विशिष्ट आतिथ्य रहल छल। प्रसिद्ध उद्घोषक, मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश राष्ट्रिय दैनिक समन्वय सम्पादक किसलय कृष्णक वक्तव्य लगायत चर्चित युवा गायिका ज्योती विश्वकर्मा, गायक रुद्रसेन विश्वकर्मा सहित प्रस्तुति रहल छल। वरिष्ठ गीतकार अशोक दत्त, कालिकान्त झा ‘तृषित’, रामभरोष कापड़ि ‘भ्रमर’, अर्जुन दर्दिला, सुप्रसिद्ध गायक सुनिल मल्लिक आ प्रसिद्ध गायक रोशन मण्डल लगायतक संगीतकर्मीलोकनि आमन्त्रित छलनि।

युवा गायक तेजू मैथिलद्वारा गोसाउनि गायनसँ कार्यक्रम प्रारम्भ भेल। आइ लभ मिथिला टीमक नारायण मधुशालाद्वारा विषय प्रवेश कराएल गेल ततपश्चात प्रसिद्ध युवा गायिका नेहा प्रियदर्शनीक स्वरमे आ प्रख्यात सङ्गीतज्ञ सुनिल मल्लिकक स्वर, सङ्गीत आ गीतकार विद्यानन्द वेदर्दीक शब्दमे निर्माण भेल ‘म्यूजिक मैथिली’ के Jingle मन्त्री साह बजाक’ वेवसाइट Maithili.com.np क उद्घाटन कएलनि।

म्यूजिक मैथिलीके विषयमे अतिथीके प्रतिक्रिया

■ विभा झा कहलनि , ” नव कोपर (नवतुरिया) सबकेँ जँ नइँ सहेजब त आगूक परम्परा पाछु छुटि जाएत। “

■ गुरूदेव कामति कहलनि, ” सबसँ बेसी खूशी हमरा होइए, मिथिलामे जन्मलौ। आइधरि बहुत किछु कएलौँ। मैथिली संगीत, मैथिल संस्कार-संस्कृतिकेँ अइ तरहक मिडियामे परसब ई प्लेटफर्म पहिल बेर देखलौँ। हमर सभ्यतापर, हमर भाषापर आब आक्रमण कियो नइँ क’ सकैए। मिथिलाक मौलिकता अद्वितिय रहल छै।”

■ धीरेन्द्र प्रेमर्षि कहलनि, ” अइ टीमक सोच-शक्रियतासँ हमरोसबकेँ उर्जा भेटैए। प्रज्ञा प्रतिष्ठानक कार्यकर्ममे भरि दिन व्यस्त रहलोसँ शुभकामना देब’ लए उपस्थित छी। “

■ रूपा झा कहलनि , ” आजुक दिन ऐतिहासिक दिनक रूपमे मानल जाएत। “

■ किसलय कृष्ण कहलनि, ” मैथिली मौलिक सङ्गीत लेल ई उठाएल सकारात्मक डेग विश्वक पटलपर सार्थक शिद्ध होए।”

प्रमुख अतिथि मन्त्री साहके विचार ?

■ मन्त्री साह कहलनि , “आजुक ई क्रार्यक्रममे हम बहुत गौरववान्वित महशुश क’ रहल छी जेँ विश्वक पहिल मैथिली म्यूजिक स्टर्मिङ्ग एप आ वेवसाइटक शुभारम्भ कर’ कए अवसर भेटल। विश्वमे अपन मैथिली भाषा लेल युवालोकनि ई प्रयास बहुत प्रंशसाक बात छै। ‘मातृभूमि आ मातृभाषा’ माए होइ छै, एकर संरक्षण लेल ई पैघ कदम उठाक’ खटल सम्पूर्ण युवा आ आइ लभ मिथिला टीमकेँ धन्यवाद देब’ चाहैत छी। मधेश प्रदेशक पहिल स्थानक मैथिली भाषा लेल पहिल बेर संरक्षण-सम्बर्द्धन लेल तत्काल एक करोड़ बजेट विनियोजन कएल गेल अछि। एकर उत्थान लेल हमर पुरा प्रयास छै। मैथिल संस्कृतिकेँ प्रोमोश्न अपन दैनिकी आ सरकारी गतिविधीमे समेत क’ रहल छी। प्रदेशसँ विश्वभरि मैथिली भाषाक विस्तार लेल मैथिली संगीत आ संगीतकर्मीकेँ हाथ-हाथ सुनि सकब खूशी आ गौरवके बात छै। राज्यद्वारा मैथिली भाषा-संगीतकर्मीके उचित सम्मान देब’ नइँ सकल अछि। हम मन्त्री रहितो आ नइँ रहितो मैथिलीकर्मीलोकनिकेँ ओतबे सहयोग आ सहकार्य करब। “

उक्त कार्यक्रमक अध्यक्षता मैथिली म्याक्स (मुकेश यादव) कएने रहनि आ सम्पूर्ण कार्यक्रमके संचालन ‘I Love Mithila’ क संचालकद्वय विद्यानन्द वेदर्दी आ गजेन्द्र गजुर कएलनि।

विविध Technical Criteria क पुरा करैत उपलब्ध भ’ गेल Google Play (Playstore) पर मैथिली सङ्गीतक मौलिक सुगन्ध विश्वभरि पसारी, मैथिल जन-जनक ‘मनके बोली’ बनए ‘म्यूजिक मैथिली’, एहि साङ्गीतिक क्रान्तिमे अखनधरि आ भविष्यमे सहयोग कएनिहार सम्पूर्ण हाथकेँ धन्यवाद व्यक्त आ स्वागत कएने अछि I Love Mithila Media। प्रस्कृत भक’ Updated Version मे शीघ्र उपलब्ध हेत समेत जानकारी भेटल अछि।

म्यूजिक मैथिली एपके पृष्ठभूमि

मैथिली भाषी आ मैथिली प्रेमीके लेल आत्म-गाैरव योग्य ई एपलिकेशन  ‘I Love Mithila Digital Media Group’ क ई Dream Project रहल छल। जाहिमे कलाकार सभ अपन गीत सङ्गीत, पोडकास्ट, रेडियो, अडियो किताब राखने छथि आ राखि सकै छथि। जे Gaana, Jio Savan, Saregama Music, Spotify, Wynk Music जकाँ Music सभकेँ व्यवस्थित ढंगसँ राखल गेल अछि।

एपके सुविधा

अइसँ अफलाइन आ अनलाइन दुनू माध्यमसँ गीत सुनऽ मे पहिनेसँ बहुत सहज हएत से जानकारी प्राप्त भेल अछि। अइसँ मैथिली गीतके प्रोमोशन, प्रविधिमे मैथिलीके पैघ पहुँच बढत। एकर सुविधासभमे Non-stop streaming, Chosen/ Selected Music Audio Play / Music details / artists Biography /Album Details / Follow artists, Make own profile, Like Comment on any music, create playlist, गीत Download / अपन गीत Upload / Paid  membership Download, Sale Music आदि सुविधासब प्रदान कएल गेल अछि।

विद्यानन्द वेदर्दी

Vidyanand Bedardi is Editor of Ilovemithila.com . Poet, Lyricist, Maithili Activist. he is from Rajbiraj, Saptari. विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। मैथिली भाषा अभियानी छथि। हिनका "विशिष्ट अभियन्ता सम्मान" अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलनमे सम्मानित भेल छल। Email - [email protected]

Related Articles

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *