पूर्व नेपालक लोकप्रिय गायक सिरहा, मिर्चैया निवासी हाल विराटनगर,मोरङ्ग रहि रहल नितिन गजुरेलक मिथिला-मधेश लगायत देश-विदेशभरिमे प्रशंसा बटोरल मैथिली गीत भिडियो ‘दिलके डायरी’ के बाद मिथिलाक उभरैत सितारा गायिका ज्योती विश्वकर्माक जुगल स्वरमे ‘नैना नुकाकऽ जे तकलौँ तँ प्रीत भ’ गैलै’ गीति भिडियो आइ पूस १९ गते रवि दिन बेरिया ३:०० बजे यूट्युब चैनल OSR Digital पर रिलिज कएल गेल अछि..
” नैना नुकाकऽ जे तकलौँ
तँ प्रीत भऽ गेलै
किछु अहाँ जे कोकिलसन बजलौँ
तँ गीत भऽ गेलै
अहाँसनके जे प्रिये, मनमीत भऽ गेलै
जीवन-जहर सेहो हमर अमृत भऽ गेलै.. “
दर्जनो हिट नेपाली गीत (जेना : आकास धर्ती बीचको दुरी बदल्न सकिन, आज राती तिमी, झुक्यारै नजरको बल्छी हान्यौ, आँखैले हेर्यौ, अनुपम रङ्ग, चुपचाप बदलियो, नारायण गोपाल तिमी, इत्यादी) तहिना पछिला चरणमे मैथिली चर्चित गीत ‘अपन दिलके डायरीमे लहुँक कलमसँ, लिखि देलौँ अहीँकेर नाम’ के गायक नितिन गजुरेल आ चारि दर्जनसँ बेसी मैथिली गीत रेकर्ड भ’ चुकल मिथिला क्षेत्रक केन्द्र बना देश-विदेशमे समेत लोकप्रिय होइत आबि रहल मुस्कानमे, प्रियतम हमर परदेशीया, छोड़ब नइँ कहियो, नइँ जाएब ओइ देश, घाँस काटए चलू अहाँ, गोर्की तोहर जानमारा हाइफाइ, इत्यादी बहुतरास चर्चित गीतक गायिका ज्योती विश्वकर्मा ई Music Video मे अपन सुमधुर स्वरसँ सजौने छथि तँ मैथिलीक चर्चित युुुवा गीतकार विद्यानन्द वेदर्दी शब्द गढ़ने छथि, नितिन गजुरेल स्वयं संगीत भरने छथि तँ गीतके एरेन्ज प्रसिद्ध संगीतज्ञ राजीव साह कएने छथि।
मैथिली गीतमे अभिनय के सभ कएने छथि ?
मैथिली क्षेत्रक लेल चिन्तनशील भ’ सृजनशीलता पसारि रहल, मैथिली म्युजिक भिडियोमे नेपालसँ अखनक सन्दर्भमे एक बेस्स चर्चित चेहरा, मुम्बईमे सुप्रसिद्ध कलाकार अनुपम खेरक इन्स्टीट्यूटमे एक्टिङ्ग सिखि रहल अशोक आर्यन यादव आ नेपाली सिने-जगतमे छाएल सुप्रसिद्ध अभिनेत्री एवं मोडेल अञ्जली अधिकारीक प्रेमिल अभिनय रहल अछि। दूनुके अभिनय संग ई गीत देखला-सुनलाबाद एकटा सामाजिक एवं पारिवारिक माहोलमे रहि देख’ बला प्रेमगीति भिडियो तैयार कर’ मे निर्माता-निर्देशक टीम सफल भेल अछि से महशुस होइत अछि। मैथिलीमे बढ़ैत अश्लीलताक विषयमे गीतकार वेदर्दी कहै छथि, ” मैथिली भाषा जतबे प्राचीन भाषा अछि ततबे प्रियगर भाषा सेहो अछि। जे भाषाक गारि सेहो श्रीरामकेँ प्रिय लगैत छल। तइँ मैथिली गीतमे प्रेम परसबाक चाही – माटिक प्रेम चाहए दू मोनक प्रेम।”
एहि भिडियोक निर्देशन नेपाली सिने-संसारक प्रसिद्ध निर्देशक एवं कोरियोग्राफर सुरेन्द्र बसेल कएने छथि, बुद्ध थापा छायांकन कएने छथि तँ चर्चित इडिटर बिष्णु खड्गा कलर, इडिट एवं पोस्टर डिजाइन कएने छथि।
राष्ट्रिय स्तरमे ‘नेपाली’ आ ‘मैथिली’ भाषा-भाषीकेँ जोड़ि राष्ट्रिय एकता निरन्तर सबल करबाक दृढ संकल्प लक’ चलि रहल गायक एवं संगीतकार नितिन गजुरेल कहै छथि, ” ई हमर दोसर सनेश अछि मैथिली भाषामे। मैथिली भाषा-संगीतमे हमर शुरूआती अछि। निरन्तर डेग नपैत रहबाक सोचक संग संगीतमे समर्पित छी। एहि गीतमे ‘किछु अहाँ जे कोकिलसन बजलौँ तँ गीत भ’ गेलै..’ पाँति अछि ओ गाबैत हम ई feel क’ रहल छी जेँ मैथिली भाषाक स्वाद सेहो कोकिलक गीतसन छै। मैथिलीक शब्द अपन कण्ठसँ हम गबैत रहब।”, कहैत ilovemithila.com सँ बात करैत कोरोनाकालक कस्टगर समयमे निर्माण कएल गीत सुनि, भिडियो देखि संगीतप्रेमीसँ व्यक्तिगत प्रतिक्रिया देबाक सेहो अपिल कएने छथि।
मिथिला, मधेशसँ देशभरिक संगीत-सिनेकर्मीद्वारा तैयार कएल ई मैथिली म्यूजिक भिडियो ‘नैना नुकाकऽ ‘ भिडियोक प्रस्तुति मिथिला अभियन्ता विद्यानन्द वेदर्दीक रहल अछि तँ पोस्ट प्रोडक्शन सफल मोसन पिक्चरक रहल अछि।