News

‘राष्ट्रिय लोक नृत्य प्रतियोगिता २०७९’ मे सप्तरी जिला प्रथम

नेशनल प्याब्सनके २५ म स्थापना दिवस आ रजत जयन्तीक अवसरमे लोकनृत्य प्रतियोगितामे सप्तरी प्रथम स्थान प्राप्त कएने अछि।

मधेश प्रदेश समितिद्वारा आयोजित प्रदेश स्तरीय राष्ट्रिय लोक नृत्य आ वक्तृत्वकला प्रतियोगितामे मधेश प्रदेश समिति अध्यक्ष डा. नन्दन यादवक अध्यक्षता आ नव निर्वाचित प्रदेश सभा सदस्य माननीय रामअशिष यादवक प्रमुख आतिथ्य रहल छल। उक्त कार्यक्रम जनकपुरधामक जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघमे भव्यताक सङ्ग सम्पन्न भेल अछि।

प्रतियोगितामे मधेश प्रदेशक ८ टा जिलाक प्रतियोगितासभद्वारा मनमोहक लोकनृत्य आ वक्तृत्व सेहो प्रस्तुत कएल छल। उक्त कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघक मधेश प्रदेश अध्यक्ष, धनुषा जिला प्रहरी प्रमुख, नेशनल प्याब्सनक राष्ट्रिय उपाध्यक्ष श्री बजेन्द्र मिश्र, नेपाल बार एसोसिएसन अध्यक्ष , केन्द्रीय सदस्य, प्रदेश समिति पदाधिकारी तथा सदस्यलोकनि, जिला समितिक पदाधिकारी तथा सदस्यसभक उपस्थिति रहल छल।

कार्यक्रममे प्रदेश उपाध्यक्ष लालजि ठाकुर स्वागत मन्तव्य आ मथानेश्वर साह, सिरहा जिल्ला अध्यक्ष श्प्रदिप तिवारी, बारा जिल्ला अध्यक्ष  प्रभु लाल कुशवाहा, आदि शुभकामना मन्तव्य व्यक्त कएने छलाह।

कार्यक्रममे नृत्य तरफ सप्तरी जिला प्रथम, धनुषा जिला दोसर आ सिरहा जिला तृतीय स्थान प्राप्त भेल अछि। तहिना वक्तृत्वकला तरफ रौतहट जिला प्रथम, सिरहा जिला दोसर आ धनुषा जिला तेसर स्थान प्राप्त करऽ सफल भेल अछि।

विजेता टीमसभकेँ प्रमुख अतिथि आ विशिष्ट अतिथिद्वारा शिल्ड मेडल तथा प्रमाणपत्र वितरण कएल गेल छल। कार्यक्रमक संचालन डिके चौधरी कएने छलनि।

प्रथम स्थान प्राप्त करऽ वला टिम पुस २७ गते काठमाडूमे हुअ वला राष्ट्रिय प्रतियोगितामे भाग लेबऽ पाएत।

उक्त प्रदेश स्तरीय नृत्य प्रतियोगिताक प्रतम सप्तरीक इष्टर्न ज्योति से.स्कुल भारदह रहल अछि। अइ स्कूलक नृत्य निर्देशक सप्तरीक चर्चित युवा निर्देशक संदिप मण्डल छथि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply