News

National ICT excellence Award पहिलबेर मधेशी शिक्षाविद्केँ प्राप्त

शिक्षाविद् जालान बनलाह नेशनल आइसीटी एक्सिलेन्स अवार्ड पओनिहार पहिल मधेशी

काठमाण्डू , नेपाल सरकारद्वारा प्रदान कएल जाइत ‘नेशनल आईसीटी एक्सीलेन्स अवार्ड’ पहिल बेर मधेशक शिक्षाविद् पंकज जालानकेँ प्राप्त भेल अछि । Lord Buddha educational Foundation अध्यक्ष सेहाे रहल जलानकेँ “नेशनल आईसीटी एक्सिलेन्स अवार्ड २०२२” द्वारा सम्मान कएल गेल ।

Ad

नेपाल सरकारक सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयद्वारा सूचना तथा सञ्चार प्रविधि क्षेत्रमे विकास आ विस्तार करएमे योगदानक कदरस्वरूप  सम्मान कएल गेल अछि ।

राष्ट्रीय सूचना तथा सञ्चार प्रविधि दिवस २०७९ क अवसरमे सोमिदन बैशाख १९ गते एक कार्यक्रमक बीच सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री ज्ञानेन्द्र बहादुर कार्की आ सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयक सचिव बैकुण्ठ अर्याल ई अवार्ड प्रदान कएलनि ।

शिक्षाविद् जालानकेँ सम्मानपत्र आ एक लाख नगदसहित सम्मान कएल गेल ।

अवार्ड प्राप्त कएलाक बाद सञ्चारकर्मीकेँ संक्षिप्त प्रतिक्रिया दैत ओ कहलनि जे   नेपाल सरकारक दिससँ हमरा सम्मान कएल गेलासँ हमरा आओराे  उत्साह बढल अछि आ स्वाभाविक रूपेँ हमर जिम्मेवारी आओराे बढ़ि गेल ।

ओ आगाँ कहलनि,

‘हम एखन धरि शिक्षा क्षेत्रमे, आ ताहूमे सूचना, प्रविधिक क्षेत्रमे करैत आएल काजमे प्रोत्साहन भेलियै । अइसँ अगामी दिनमे  आआराे बेसी जिम्मेवारीक बोधक सङ्ग काज करबाक लेल उत्साह बढलै ।’

सम्मानपत्रमे ‘सूचना तथा सञ्चार क्षेत्र सङ्ग सम्बन्धित व्यावसायिक तथा सामाजिक संस्थासभमे रहि प्रविधिक विकास आ विस्तारमे अपनेद्वारा कएल गेल  विशिष्ट योगदानक उच्च मुल्याङ्कन करैत राष्ट्रीय सूचना तथा सञ्चार प्रविधि दिवस २०७९ क अवसरमे नगद रु एक लाख सहित “नेशनल आईसीटी एक्सिलेन्स अवार्ड २०२२ प्रदान कएल जाइत अछि’  कहिक’  लिखल गेल अछि ।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply