News

नेपालक सर्वाधिक बाजैवला पहिल ‘नेपाली’ आ दोसर ‘मैथिली’ मातृभाषा भेल

२०७८ के जनगणना अनुसार नेपालक कुल जनसंख्या २ करोड ९१ लाख ६४ हजार ५७८ पहुँचल अछि । ओहिमध्ये सभसँ बेसी १ करोड ३० लाख ८४ हजार ४५७ लोकक मातृभाषा नेपाली रहल अछि।

Ad

नेपालक कुल जनसंख्याक ४५ प्रतिशतक मातृभाषा नेपाली रहल निष्कर्ष आएल अछि। राष्ट्रिय जनगणना २०७८ क शुक्रदिन सार्वजनिक मातृभाषा सम्बन्धी तथ्यांक अनुसार ४४.८६ प्रतिशतक मातृभाषा नेपाली रहल अछि।

नेपालीके बाद मैथिली मातृभाषा सर्वाधिक रहल अछि। ३२ लाख २२ हजार ३८९ लोक अर्थात ११.०५ प्रतिशतक मातृभाषा मैथिली रहल अछि।

भोजपुरी ६.२४ प्रतिशत, थारु ५.८८, तामाङ, ४.८८, बजिका ३.८९, अवधि २.९६, नेवारी २.९६ र २.७८ प्रतिशतक मातृभाषा मगर धुत रहल अछि ।

सभसँ कम कुसुण्डा भाषाक वक्तासभ रहल अछि। ई भाषा संख्या २३ गोटे मात्र बजै छथि। अहिना बन्करिया मातृभाषी ८६ मात्र रहल राष्ट्रिय तथ्यांक कार्यालय जनेने अछि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles