स्थानीय भाषामे नीति तथा कार्यक्रम आनैबला देशक पहिल गाउँपालिका

पर्वत, ७ जेठ : पर्वत जिलाके महाशिला गाउँपालिका गुरुङ भाषाक खिमा लिपीमे नीति तथा कार्यक्रम प्रकाशित कएने अछि। गण्डकी प्रदेश सरकारद्वारा नेपालीके अतिरिक्त गुरुङ आ मगर भाषाकेँ सरकारी भाषाक रूपमे प्रयोग करबाक विधेयक आगू बढ़ाएल अवस्थामे, महाशिला गाउँपालिकासँ नीति तथा कार्यक्रम गुरुङ भाषामे सार्वजनिक कएलक अछि।
गाउँपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत देवेन्द्र पाण्डेय जानकारी देलनि जे नीति तथा कार्यक्रम गाउँपालिकाके वेबसाइटमार्फत सार्वजनिक कएल गेल अछि। सरकारद्वारा गुरुङ भाषाकेँ कामकाजक भाषा बनेबाक तैयारी भ समयमे, महाशिला चालु आर्थिक वर्ष २०८१/८२के नीति तथा कार्यक्रम गुरुङ भाषा आ लिपीमे सार्वजनिक करबाक निर्णय लएने छल। पाण्डेय कहलनि जे स्थानीय भाषामे नीति तथा कार्यक्रम सार्वजनिक करैबला महाशिला गाउँपालिका देशक पहिल स्थानीय तह बनल अछि।
वितल साल महाशिला नेपाली भाषामे नीति तथा कार्यक्रम सार्वजनिक कएने छल। ओही दस्तावेजकेँ आब गुरुङ भाषामे अनुवाद क प्रकाशन कएने छल । गुरुङ भाषामे खिमे लिपी प्रयोग क कार्यक्रम लिपिबद्ध कएल गेल, पाण्डेय कहलनि। पूर्ववत नीति तथा कार्यक्रममे आर्थिक विकास, सामाजिक विकास, स्वास्थ्य, सामाजिक न्याय, खानेपानी, भौतिक पूर्वाधार, विपत्ति तथा वातावरण, संस्थागत सेवा प्रवाह आ सुशासन क्षेत्रकेँ प्राथमिकता देल गेल छल।
एहि तरहेँ बालबालिका, ज्येष्ठ नागरिक आ सामाजिक सुरक्षा, स्वास्थ्य सेवा, खेलकुद तथा मनोरञ्जन, संस्कृति आ प्रदेश सरकारसँ सहकार्यजेक विषयसभ सेहो नीति तथा कार्यक्रममे समेटल गेल अछि। एहिसभ प्राथमिक क्षेत्रसभकेँ गुरुङ भाषाक खिमे लिपीमे उल्था क प्रकाशित कएल गेल, गाउँपालिकाके अध्यक्ष ईश्वरीप्रसाद भुसाल जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे आगाँक वर्षसँ नीति तथा कार्यक्रम दुनु भाषामे एकसाथ सार्वजनिक कएल जाएत ।
महाशिलाक छटा वाडमे गुरुङ समुदायक बसोबास अछि। गण्डकी प्रदेश सरकारद्वारा गुरुङ आ मगर भाषाकेँ सरकारी कामकाजक भाषा बनाबैके विधेयक लए अबैसँ पहिने, सरोकारवाला सङे सुझाव संकलनके क्रममे गुरुङ आ मगर बाहुल्य जिलामे भ्रमण कएने छल।
——–