News

सप्तरीक सीमा-नाकासभ पर खुलेआम तस्करी : लाखौंक महिनवारी असुलैत प्रहरी प्रशासन

शुभ नारायण यादव, राजविराज । पछिला बेर सप्तरीक बहूत रास सीमावर्तिक नाकासभ पर खुलेआम प्रहरी प्रशासनक मेलजोलमे तस्करी भ’ रहल बात खूलल अछि। सप्तरीक सीमावर्ती नाकासभ पर खटल सशस्त्र आ जनपद प्रहरी सादा पाेशाकमे प्रहरीक मेलजोल आ सेटिङ्गमे खुलेआम तस्करी भ’ रहल छै। पछिला बेर सप्तरीक काेशी बैरेज नाकासँ अबैध गाई, बैल लगाईत अबैध मदिरा आ गाँजा सब तस्करी भ’ रहल प्रमाण सामने आएल रहए ।

Ad

तहिना, किराना समान, लत्ता-कपडा, रजनीगन्धा लगाईत समान सब नेपालसँ भारत आ भारतसँ नेपाल प्रहरी प्रशासनका मेलजोलमे तस्करी भ रहल प्रहरी प्रशासनक उपरका स्रोत जनतब देलक अछि । स्रोतक अनुसार जिल्लाक सब सिमावर्ती नाका सबमे अहिना महीनावारी पर मिलाक’ प्रहरी प्रशासनक सेटिङ्गमे खुलेआम रुपमे तस्करी भ रहल छै ।

तहिना, सप्तरीक बनिनियाँ आ पाताे नाकासँ सब सँ बेसी अबैध मदिरा आ आन समान सब खुलेआम तस्करी भ रहल छै । पाताे बनेनिया बाटे सब दिन लाखौंक अबैध मदिरा नेपालसँ भारत दिंस तस्करी भ रहल स्रोतक दाबी अछि । तहिना, सप्तरीक बेल्हि बाटे अखन खुलेआम रुपमे अबैध वालु आ गिट्टी चाेरी-तस्करी भ रहल छै ।

तहिना, सप्तरीक रामनगर काेदरकटी ,तिलाठी ,बाेदे बरसाइन, छिन्नमस्ता, गाेबिन्दपुर लगायत नाका सब बाटे अबैध मदिराक साथे रजनी गन्धा, कपडा, किराना समानक साथे साेना-चादि समेत स्थानीय प्रहरी प्रशासनक मेलजोलमे भ’ रहल स्रोत जनतब देलक अछि ।

सशस्त्र प्रहरीएके मेलजोलमे महिनवारी असुलैत पछिलाबेर सप्तरीक बहूत रास सिमावर्तीक नाका सब पर खुला रुपमे सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल न.६ गण हेड क्वाटरसँ खटल सादा पाेशाकमे रहल सशस्त्र प्रहरी सब व्यापारिसँ लाइन मिलान अर्थात सेटिङ्ग कऽकऽ महिनवारी असुलैत आबि रहल प्रहरीक उपरका स्रोत जनतब देलक अछि ।

subh narayan yadav

स्रोतक अनुसार पछिला बेर सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल न.६ गणक सशस्त्र प्रहरी निरिक्षक महेश कार्कीक नेतृत्वमे सुनिल यादव, रितेश यादव, बिरेन्द्र साह, प्रभात यादव, सचिन यादव, सन्ताेष कार्की लगाईत सशस्त्र प्रहरीक घुमुवा सब मार्फत सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल विअाेपिमार्फत महिनवारी रकम असूलोत आबि रहल छै।

सीमा पर रहल विअाेपिक सशस्त्र प्रहरी निरिक्षक मार्फत जिल्लामे रहल सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक अर्थात एसपी धैर वो लाइन वापत महिनामे लाखों रकम पुगिरहल स्रोतक दावी अछि। नोट: पछिला बेरक सिमा पर खूलेआम तस्करी भ रहल प्रमाण हम(लेखक) सब सुरक्षित कएल छी।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles