News

मैथिली भाषामे निःशुल्क समाचार देत रासस

निःशुल्क समाचार वितरणसँ बन्द भेल, मातृभाषाक सञ्चारगृह फेर सुरू हेबाक आश

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू , १३ कातिकः राष्ट्रिय समाचार समितिद्वारा  मैथिली, नेपाल भाषा आ अवधिके समाचार सेवाके निःशुल्क बनाएल गेल अछि ।

राससके कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झाक अध्यक्षतामे भर्खरे सञ्चालक समितिक बैसारसँ इएह कातिक १३ गतेसँ राष्ट्रिय समाचार समितिमे दर्ता होबबला मैथिली, नेपाल आ अवधि  भाषाक प्रकाशन तथा प्रसारणगृह (छापा, डिजिटल पत्रपत्रिक तथा श्रव्य एवं श्रव्यदृश्य) सभकेँ निःशुल्क समाचार सेवा उपलब्ध उपलब्ध करेबाक निर्णय कएलक अछि।

पहिल चरणमे मातृभाषाक संरक्षणक उद्देश्यसँ तीन भाषामे समाचार निर्माण आ वितरण कएल गेल अछि। निःशुल्क समाचार वितरणसँ प्रायः बन्द भेल आ होबबला सञ्चारसंस्थासभकेँ अइसँ फायदा हेबाक आश कएल गेल अछि। बन्द भेल, मातृभाषाक  सञ्चारगृह फेर सुरू हेत। समस्यामे रहल सञ्चार संस्था ओ भाषामे उत्पादित समाचार प्रकाशन तथा प्रसारण कएलाक बाद मातृभाषाक संरक्षणमे योगदान हेबाक दृढ विश्वास भेल समितिक अध्यक्ष झा बताैलैन ।

“मैथिली आ अवधि भारोपेली परिवारक भाषा छी । विश्वमे मैथिलीके पाँच करोड़सँ बेसी जनसंख्याद्वारा मैथिली भाषि वक्ता अछि। नेपालक कोशी तथा मधेश प्रदेशमे मैथिली भाषी व्यापक रूपसँ बाजल जाइत अछि । जनसंख्याक आधारपर नेपालक दोसर नम्हर भाषा छी।

अवधि लुम्बिनी प्रदेशक बाँके, बर्दिया, दाङ, कपिलवस्तु तथा सुदूरपश्चिम प्रदेशक कैलाली आ कञ्चनपुर जिलामे बाजल जाइ छै ।नेपाल भाषा देश प्राचीन तथा समृद्ध भाषा छी । ई काठमाण्डू उपत्यक तथा लगपासक क्षेत्र सिन्धुपाल्चोक, मकवानपुर, रामेछाप, काभ्रेपलाञ्चोक, म्याग्दी, तनहुँ, कास्की, सुनसरी, धनकुटालगायत जिलामे सेहो बाजल जाइचत अछि ।

राष्ट्रिय जनगणना २०७८ अनुसार कूल जनसङ्ख्याक ११ दशमलव शून्य पाँच प्रतिशत अर्थात् ३२ लाख २२ हजार तीन सओ ८९ गोटे मैथिली , अवधि एवं नेपाल भाषा २.९६ प्रतिशत अर्थात् अवधि आठ लाख ६४ हजार दुई सओ ७६ आ नेपाल भाषा आठ लाख ६३ हजार तीन सओ ८० गोटे वक्ता रहल अछि ।

निःशुल्क समाचार सेवाक लेल भद्रकालीस्थित राससके केन्द्रीय कार्यालय, सेवाग्राही शाखाक टेलिफोन नं ०१–५३६२५२१ मे सम्पर्क करबाक लेल सम्बन्धित सबकेँ समिति अनुरोध कएलक अछि ।
–––
श्रोत: रासस

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles