News

जानकी नवमीमे सार्वजानिक विदा

महेन्द्रनगर (धनुषा), २२ वैशाखः मधेश प्रदेश सरकारद्वारा जानकी नवमी आ कवीरदास जयन्तीक अवसरपर सार्वजानिक विदा देबाक निर्णय कएने अछि ।

गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालयक उपसचिव गणेश नायकद्वारा इएह वैशाख २१ गते जारी सूचनामे वैशाख २३ गते मङ्गलदिन जानकी नवमी (सीता जयन्ती) आ आगामी जेठ २८ गते बुधदिन कविर जयन्तीके उपलध्यमे प्रदेशमे विदा देबाक निर्णय भेल उल्लेख कएल गेल अछि ।

जानकी नवमीके अवसरमे विगतमे सेहो प्रदेश सरकार बिदा दैत आएल छल। जानकी नवमी मिथिलामे सीता प्रगट भेल दिवसके रूपमे मनाएल जाइत अछि। सीताके मिथिलामे मैथिली, वैदेही, भूमिजा, जानकी, जनकनन्दनी इत्यादि नामसँ जानल जाइत अछि।

–––

रासस मैथिली सेवा

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles