News

रामराजा प्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक शिलान्यास भेल

प्रतिष्ठानक संरचना बनाबऽ ११ अर्ब ९८ करोड पाय खर्च होएत

प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली मंगलदिन रामराजा प्रसाद सिंह स्वास्थ्यविज्ञान प्रतिष्ठानक भर्चुयल माध्यमसँ शिलान्यास कएलनि।

Ad

सप्तरीक राजविराज नगरपालिका वार्ड नम्बर १० बिरौल स्थित खाँडो नदी कछेरमे उक्त प्रतिष्ठानक ओ शिलान्यास कएने छनि। एक प्रदेश एक प्रतिष्ठान निर्माण करबाक लक्ष्य अनुसार शिलान्यास करैत प्रम ओली लम्बा समयक प्रयास आ प्रतिक्षाबाद आइ प्रतिष्ठानक निर्माण कार्यक शुभारम्भ भेल बतेलनि। प्रतिष्ठान निर्माण प्रदेश २ क सप्तरीसहित सम्पूर्ण जिला, लगपासक जिला तथा भारतीय नागरिकसभ स्वास्थ्य सेवा प्राप्त करि लाभान्वित होएत विश्वास व्यक्त कएलनि।
प्रतिष्ठानक पूर्वाधार तयारी विकास समितिक निर्देशक तथा गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल राजविराजक निमित्त मेडिकल सुपरिटेन्डेन्ट डा. रणजीतकुमार झा शिलान्यासक भूमि पुजन पछाति आयोजित शिलान्यास समारोहमे प्रधानमन्त्री ओली कहलनि

,” हमसब भवनक शिलान्यास कएलौँ, हमरासबहक सपना शीघ्रहि व्यवहारिक रुपमे उतरत। शिलान्यास पछाति सपना पूरा भेल।”

प्रधानमन्त्री ओली

प्रधानमन्त्री ओली प्रतिष्ठानक निर्माणसँ देखऽ वला, लाभ हुअ जोग शिक्षा, स्वास्थ्यक क्षेत्रमे नव उचाइ कायम होएत विश्वास देलनि । सप्तरीमे बनल कोनो संरचनासँ बेसी स्तरीय, भूकम्प प्रतिरोधात्मक, कड़गर आ आकर्षक होएत ओ कहलनि। बहारक पक्षमे आकर्षण मात्र नइँ आन्तरिक हिसाबसँ सेवा सेहो सशक्त आ आकर्षण होएत।

प्रतिष्ठान रोजगारीक अवसरसभ सिर्जना करबाक सङ्गहि आर्थिक क्रियाकलाप सेहो बढत कहैत ओ ई प्रविधिक विकास सङ्गहि विकासप्रति विश्वास बढाएब बतेलनि।
सप्तरी पाछु पड़ल ठामक रुपमे नइँ, विकासक हिसाबसँ आगू बढ़ि रहल बतेलनि। रुपनी सड़क, औद्योगिक क्षेत्र सञ्चालन, छिन्नमस्ता पर्यटकीय गन्तव्य क्षेत्र विकास लगायतमे काम आगू बढाओल गेल प्रम ओली सिंचाइ, रेल सञ्चालन, व्यवस्थापनक सेहो कार्य भऽ रहल बातक जानकारी देलनि ।

हिमाल पहाड आ तराइ सम्पूर्ण क्षेत्रक विकास आ उन्नतिक लेल काज क’ रहल बताबैत प्रधानमन्त्री कहलनि, ‘कोना
भ्रममे पड़ऽ कए आवश्यक नइँ अछि।

भ्रममे पड़ि दिशा बिहीन भऽ देशक विकास उन्नतिमे अपनाकेँ पछाड़ी नइँ पारऽ कहैत प्रम ओली जोड़लनि, अपन देशमे भौगोलिक, प्राकृति, सामाजिक आ जैविक विविधता अछि । ई विविधतासभ माने सम्पन्नता, समृद्धि, सम्पदा अछी। राजनीतक रुपमे फरक–फरक विचार भऽ सकत मुदा एक दोसरप्रति सहिष्णुता, सहअस्तित्वक काज आ साझा समस्या समाधानमे एक भकऽ आगू बढ़ऽ पड़त ।सब मिलि गरिबी हटाबऽ अपन अपन ठामसँ सहयोग करऽ प्रम ओली आग्रह कएलनि।

कार्यक्रममे राजविराज नगरप्रमुख शम्भुप्रसाद यादव प्रतिष्ठानक शिलान्यास कएलापर प्रधानमन्त्रीकेँ धन्यवाद दैत समयमे निर्माण सम्पन्न कराबऽ नगरवासी हरेक सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि।
प्रतिष्ठानक लेल दू कित्ताक करि ६१ विघा छ कठ्ठा क्षेत्रफल जग्गा दर्ता भेल अछि । एहिसँ १० जिला कऽ चारि लाख १३ हजार ३८८ गोटे सेवाग्राहीसभ लाभान्वित होइत जानकारी कराओल गेल । प्रतिष्ठानक संरचना बनाबऽ ११ अर्ब ९८ करोड पाय खर्च होएत से अनुमान कएल गेल अछि। अहिना, प्रतिष्ठानक डीपीआर तयार कर’ मात्र १५ करोड टक्का लागत से अनुमान कएल गेल अछि समितिक निर्देशक डा. झा जानकारी देलनि ।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply