चारि गोट चर्चित मैथिली सङ्गीतकर्मी पएलक ‘राष्ट्रिय समावेशी म्यूजिक अवार्ड २०२३’

” नेपाली हुनुमा गर्व गरौँ, नेपाली कला र संस्कृतिको जगेर्ना गरौं ” मुल नाराके सङ्ग पावर ईन्टरनेशनल मिडिया (पिम नेपाल) द्वारा आयोजित नेपालक पहिल समावेशी म्यूजिक अवार्ड ‘राष्ट्रिय समावेशी म्यूजिक अवार्ड’ (National Inclusive Music Award 2023) फागुन २८ गते सम्पन्न भेल अछि।
संयोजक कमला जोशी अनुसार विगत ६ वर्षसँ निरन्तर गीत सङ्गीतसभक प्रवर्द्धनमे सहयोग पहुँचेबाक उदेश्यसँ नेपाली सहित एक दर्जन भाषाभाषीक गीतकेँ समटिकऽ अवार्ड आयोजना होइत आबि रहल अछि।
विभिन्न भाषाभाषीक कुल ४२ विधामे प्रतिष्पर्धा रहल देशभरिक कलाकार, श्रष्टा आ सर्जकलोकनि मध्ये मिथिला-मधेशक चर्चित युवा गीतकार विद्यानन्द बेदर्दी ‘सर्वोत्कृष्ट मैथिली गीतकार २०२३’ , प्रसिद्ध गायक वीरेन्द्र झा ‘सर्वोत्कृष्ट मैथिली गायक २०२३’, चर्चित अभिनेत्री मेनुका माझी ‘सर्वोत्कृष्ट महिला मोडेल २०२३’ आ युवा मोडेल विक्रम गुप्ता ‘सर्वोत्कृष्ट पुरूष मोडेल २०२३’ उपाधिसँ सम्मानित भेल छथि।
बेदर्दीकेँ ‘प्रेमक पिचकारी’, झाकेँ ‘हमरो रङ्ग लगा दे’, माझीकेँ ‘कोन रोग लगेले ‘ आ गुप्ताकेँ ‘पूर्वा हवा’ म्यूजिक भिडियोके लेल सर्वोत्कृष्ट अवार्ड देल गेल।
बेदर्दीक मिथिला एक्सप्रेस, चहटगर चटनी, प्राण हमर मिथिला, दिलचोर्नी एलवम आ गीत यादमे अहाँके, निर्मोही अहाँके यादमे, चलु मिथिला राज, छोड़ब नइ कहियो, लगायत ‘दिलके डायरी’, ‘नैना नुकाकऽ’ आ ‘प्रेमक पिचकारी’ पैघ लगानी आ राष्ट्रिय कलाकारसभक समेत संलग्नता रहल मैथिली गीत आ म्यूजिक भिडियोसभ चर्चित रहल अछि।
झाक कमाल तोहर ओढ़नी, गोरकी बिहारवाली, प्राण हमर मिथिला, आदि एलवम आ गीत माथापर चमकैए अहाँक बिन्दिया, ईजोरियाक चान देखलौँ, नाम हमर मैथिल भैया, हम परदेशी, हे यै मिथिलाक रानी, फूल बनि फूलू यै सजनी, कोशी किनारे, आदि चर्चित रहल अछि।
अवार्ड समारोहमे रजत सम्मान, पत्रकारिता पुरस्कार लगायत सम्मान आ पुरस्कारसभ समेत प्रदान कएल गेल अछि।
अवार्डक प्रमुख अतिथि प्रशासन मन्त्री अमन लाल मोदी, विशिष्ट अतिथि बसुन्धरा भुसाल, पूर्व मन्त्री चित्रलेखा यादव, नेपालक राष्ट्रिय गान रचियता प्रदीप कुमार राई (व्याकुल माईला), आदि अनेकानेक गणमान्य नेपाली फिल्म सेलेब्रीटीसभक कार्यक्रममे उपस्थिति रहल छल। सम्पूर्ण कार्यक्रमक उद्घोषण सरोज कोईराला कएने छलनि।