‘निनिया रानी’ मैथिली लोरी गीति भिडियो सार्वजनिक
‘निनिया रानी’ भादओ २९ शुक्रदिन बेजोड़ युट्यूब चैनल मार्फत सार्वजनिक कएल गेल अछि।
उक्त गीति भिडियोमे मैथिली, नेपाली आ हिन्दी सङ्गीत जगतमे ख्याति प्राप्त सङ्गीतकार एवं गायक प्रवेश मल्लिकक सङ्गीत, मैथिली भाषा–सङ्गीतक चर्चित गीतकार विद्यानन्द बेदर्दीक शब्द आ मैथिली सङ्गीत क्षेत्रक प्रसिद्ध गायिका नेहा प्रियदर्शनीक स्वर रहल अछि।
उक्त म्यूजिक भिडियोमे यूट्युबपर ‘मिथिला-काकी’ क नामसँ परिचित रहल कलाकार टेस्सा प्रियदर्शनी, बालकलाकारद्वय आध्या सिंह आ धैवत बैरोलियाक अभिनय रहल अछि।
एहि भिडियोकेँ राष्ट्रिय फिल्म पुरस्कारसँ सम्मानित मैथिली आ भोजपुरी भाषाक लोकप्रिय निर्देशक नितिन नीरा चन्द्र निर्देशन, बलिउॅड अभिनेत्री नीतु चन्द्र, नितिन नीरा चन्द्र आ शशांक गुप्ता निर्माण कएने छथि।
ईडिट, कलरिङ्ग आ पोस्टर डिजाइन निर्देशक चन्द्र, डायरेक्सन ऑफ फोटोग्राफी कुन्दन आर्या कएने छथि। म्यूजिक पार्टनरसभ ‘म्यूजिक मैथिली’ आ ‘प्रवेश मल्लिक प्रोडक्शन’ रहल अछि। प्रस्तुति चम्पारण टाकिजके रहल अछि। उक्त गीतमे कोरस गायन बालकलाकार आद्या मल्लिक आ अपेक्षा मल्लिक कएने छथि। एरेन्ज आ मिक्सिगं मुम्बईमे भेल त रेकर्ड नवरस स्टूडियो जनकपुरमे भेल अछि।
लोरी एकटा सुखदायक, सौम्य गीत छियै जे बच्चाकेँ सुताब’ मे मदत करैत अछि सहए उद्येश्यसँ निर्माण कएल एहि गीतमे सन्तान प्रति माएक प्रेम, आश आ चिन्तनकेँ मिहि ढङ्गे चित्रण कएल गेल अछि। ‘निनिया रानी’ कर्णप्रिय धुन, मनमोहक स्वर, आरामदायक शब्द आ कल्पनासँ भरल अछि जेँ सुनला बाद मोनक वातावरण शान्त बनबैत अछि। एहिमे माए सन्तानकेँ शान्ति, सुरक्षा, सद्बुद्धि एवं प्रगति लेल प्रेमक गीत गबैत अछि। बच्चा सियान भेलापर जीवनमे सम्पूर्ण यश प्राप्ति होइतो माए आजीवन रूपमे बच्चाक ठोरसँ मातृभाषा मैथिली चानन जकाँ गमकैत देख’ चाहैत छथि।
सङ्गीतज्ञ प्रवेश मल्लिक आइ लभ मिथिलासँ बात करैत कहलनि, ” मैथिली मौलिक सङ्गीत क्षेत्रमे कलाकारसभक सक्रियता कम भ’ नक्कल दिस बेसी अग्रसर छथि आ श्रोता-दर्शकसभ सेहो तकरा आँखि मुनिक’ ल’ रहल छथि से मैथिलीक लेल खतराक संकेत अछि। नेना भुटकाकेँ सुताब’ लेल आ सुतल श्रोता-दर्शक आ समाजकेँ जगाब’ लेल निनिया रानी सनेश रहल अछि। “