पूर्वक लोकप्रिय गायक सिरहा, मिर्चैया (हाल : विराटनगर,मोरङ्ग) रहि रहल नितिन गजुरेलक मिथिला-मधेश लगायत देश-विदेशभरिमे प्रशंसा बटोरल मैथिली म्यूजिक भिडियो ‘दिलके डायरी’ के बाद मिथिला-मधेशक प्रसिद्ध युवा गायिका, उभरैत सितारा ज्योती विश्वकर्माक जुगल स्वरमे ‘प्रीत भ’ गैलै’ के रेकर्ड आइ सिरहाक लहान रेकर्डिङ्ग स्टुडियोमे सम्पन्न भेल अछि।
‘प्रीत भ’ गेलै’ मे शब्द अछि चर्चित युवा गीतकार विद्यानन्द वेदर्दीके तँ संगीत कम्पोज कएने छथि स्वयं नितिन गजूरेल आ एरेन्ज कएने छथि प्रसिद्ध संगीतज्ञ राजिव साह।
गायक नितिन गजुरेलक दर्जनो हिट नेपाली गीत रहल अछि जेना आकास धर्ती बीचको दुरी बदल्न सकिन,आज राती तिमी तिम्रो हत्केलामा, झुक्यारै किन होला नजरको बल्छी हान्यौ, आँखैले हेर्यौ, तिमी मेरो जीवनको अनुपम रङ्ग हौ, चुपचाप बदलियो, इत्यादी)। तहिना पछिला चरणमे सार्वजनिक भेल ‘अपन दिलके डायरीमे लिखि देलौँ अहीँकेर नाम’ म्यूजिक भिडियोमे गजुरेल अपन स्वर सजा मैथिलश्रोताक मनमे अपन स्नेहपूर्ण स्थान बना चुकल छथि।
गायिका ज्योती विश्वकर्माक स्वरमे चारि दर्जनसँ बेसी मैथिली गीत रेकर्ड भ’ चुकल अछि। विश्वकर्माक गीतसभ मिथिला क्षेत्रक केन्द्र बना देश-विदेशमे समेत लोकप्रिय भेल करैत अछि। मुस्कानमे, प्रियतम हमर परदेशीया, छोड़ब नइँ कहियो, नइँ जाएब ओइ देश, घाँस काटए चलू अहाँ, इत्यादी बहुतरास चर्चित भेल अछि।
गायिका विश्वकर्मा कहै छथि, ” ई गीत बहुत melodious अछि। हमर आओर गीतसँ किछ हटिक’ बनल अछि। पहिल बेर नितिन भाइजीक संग गेलौँ। हमरा गाब’ लेल एहि तरहक सृजनात्मक गीतसभ बेसी नीक लगैत अछि। ”
गायक गजुरेल कहै छथि, ” मैथिली भाषा एतेक ने मिठ्ठ अछि जेँ हम गाबै लेल, बाजै लेल अपनाकेँ रोकि नइँ सकैत छी। अखन हमर शुरूआत अछि मैथिली संगीत क्षेत्रमे। ई दोसर गीत छी हमर, पहिल गीत ‘दिलके डायरी’ के जहिना प्रेम-प्रीत क’ देलौँ तहिना ‘प्रीत भ’ गेलै’ के सेहो प्रीत क’ देब। चरणबद्ध रूपसँ नेपाली संगहि मैथिली म्यूजिक भिडियो अनैत रहब। ”
गीतकार वेदर्दी कहै छथि , ” ई म्यूजिक भिडियो मैथिली सिने-संगीतमे नव आयाम देत। मैथिलीमे नविन काजक अभाव अछि। मैथिली कोकिलक बोलसनक मधूरगर भाषा अछि एहिमे अश्लीलताकेँ जड़िसँ उखाड़ि फेकबाक अछि। मैथिलीक लोक संगीत विश्व प्रसिद्ध अछि। नेपालक अखनक सन्दर्भमे मैथिली गीतमे संगीतकारक संगीत कम भेटैत अछि। हमरासभक ई प्रयासकेँ प्यारोडीकेँ चिरबाक प्रयास बुझू । मैथिलीमे क्वानटिटीसँ बेसी क्वालिटीक आवश्यकता अछि। ”
गीतक भिडियो काठमाण्डूमे सुटिङ्ग होएत जइँमे मिथिलाक छाएल चेहरासभक अभिनय रहत। शब्दमे शालिनता, स्वरमे मधुरता, संगीतमे मौलिकता आ भिडियोमे सभ्यता परसबाक एहि टीमक मूख्य विशेषता रहल अछि। मैथिली संगीतमे सकारात्मक दूरी नापि श्रोताक उचित पसन्द हएत से सम्पूर्ण टीमक दाबी रहल अछि। एहि गीतक भिडियो निर्माण भ’ शीघ्र सार्वजनिक होएत ilovemithila.com केँ जानकारी भेटल अछि।