News

सरिता साहद्वारा निर्देशित ‘द नोटबुक’ ‘डिप्‍लोमा’ पुरस्कारसँ पुरस्कृत

रसियामे आयोजित ‘१० म जिरो प्‍लस अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सव’ मे ‘नोटबुक’ चुनल गेल छल। विश्वक ४० टा देशसभक १६९ टा चलचित्रसभमध्ये मैथिली भाषामे बनल ‘द नोटबुक’ पुरस्कार प्राप्त कएने अछि निर्देशक सरिता साह जानकारी देने छथि। उक्त कार्यक्रममे सरिता साह स्वयं सहभागी भक’ पुरस्कार ग्रहण कएने छलीह।

तराइक ग्रामीण क्षेत्रमे बेटीसभकेँ दैवला शिक्षाक सम्बन्धमे ९ मिनेटक चलचित्र रहल नोटबुकमे सरिता साह स्वयं सेहो अभिनय कएने छथि।

‘१० म जिरो प्‍लस अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सव २०२३’ मे नेपालसँ सरिता साहद्वारा निर्देशित आ अनिल कुर्मीद्वारा लिखित लघु चलचित्र ‘द नोटबुक’ सेहो ‘शर्ट लाइभ एक्सन फिल्म श्रेणीक प्रतिस्पर्धामे चुनल गेल छल।

२०७९ सालमे निर्माण सम्पन्न भेल लघु चलचित्र ‘द नोटकबुक’ केँ रोयल नर्वेजियन एम्बेसीक आर्थिक सहयोगमे आसमान नेपाल निर्माण कएने अछि त प्रस्तुति सरिता फाउण्‍डेशनक रहल अछि। अइ चलचित्रक छायाङ्‍न धनुषा जिलाक बटेश्‍वरमे कएल गेल छल।

चलचित्रमे प्रमुख भूमिकामे साधना आलोक रहल छथि त सुजिता साह, प्रदीप महतो, राम नारायण ठाकुर, राजेश सक्सेना, मञ्जु महतो, विनोद सिंह, नवीन महतो, राजु सिंह, नन्दिनी कुमारी पंडित, कविता महतो, अस्मिता कुमारी महतो, आदित्य मिश्रालगायतके अभिनय रहल अछि।

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles