News
नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीद्वारा जि.प्र.का. उर्दी विरूद्ध आन्दोलन

जिला प्रशासन कार्यालय, सप्तरीद्वारा साओन २३ गते जारी कएल गेल सूचना अनुसार बिना अनुमति कार्यालय भितरके फोटो, भिडियो खिचए नइँ पाबएब उर्दी जारी भेलाक बाद नेपाल पत्रकार महासंघ, सप्तरी शाखा सहित विभिन्न पत्रकार विगत २ दिनसँ आन्दोलित अछि।
आइ पत्रकार महासंघ सप्तरी विभिन्न चरणमे विरोध आदोलनके घोषणा कएलक अछि।
ओ सभ राजविराज बजारक विभिन्न भागमे घूमि जिला प्रशासन कार्यालयक मुख्यद्वारक सोझाँ धरना देलनि। धरनाक बाद आयोजित एकटा कोना सभामे पत्रकारसभ पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रताक संवैधानिक अधिकारक उल्लङ्घन करबाक लेल सप्तरी सीडीओक विरुद्ध कारवाहीके माँग कएलनि।