
मैथिलीमे बनल बहुप्रतीक्षित वेबसिरीज नून रोटीक गीत काइल मधुर मैथिलीक यूट्यूब चैनलपर सार्वजनिक कएल गेल अछि।
मधुर मैथिली यूट्यूब चैनल अपन विभिन्न लोकप्रिय कार्यक्रमसबसँ पहिनेसँ प्रसिद्ध भ’ चुकल अछि आ आब एकर प्रशंसक वर्ग वेबसिरीजक प्रतीक्षामे अछि आ तइँ क्रममे रिलीज भेल गीत प्रशंसित सेहो भ’ रहल अछि।
गीतक पार्श्वगायन कएने छथि प्रसिद्ध गायिका प्रिया मल्लिक, जे मिथिला नगरिया निहाल सखिया…., जगदम्बा घरमे दियरा …. आदि गाबि मैथिली श्रोतामे अपन सुपरिचिति छवि बना चुकल छथि।
तहिना झा विकास आ प्रेम प्रकाश कर्णद्वारा गढ़ल शब्दचित्रक अपन सङ्गीत प्रदान कएने छथि प्रेम प्रकाश कर्ण । मिथिलाक पारम्परिक लोकलयकेँ नव्यता प्रदान करैत एकटा सकारात्मक अंदाजमे परसबाक साङ्गीतिक परिकल्पना नीक लागि रहल प्रतिक्रिया आबि रहल अछि।
गीतक अभिनय पक्ष अभिनेत्री प्रज्ञा झा आओर दिवाकरक उपस्थिति सकारात्मक अछि। अइ गीतक आबि गेलासँ सम्पूर्ण वेबसिरीज देखबाक लेल दर्शक सभक उत्सुकता आओर बेसी बढ़ि गेल अछि। भरोस अछि जे निर्देशक झा विकास’ क ई वेबसिरीज मैथिली मनोरंजन संसार मे एकटा नव कीर्तिमान गढ़त। सम्प्रति प्रदर्शित गीत ‘कतऽ जाइ छी नवल किशोर यौ, सङ्ग लेने चलू हमरो…’ प्रशंसित भ’ रहल अछि।