News

डाक्टरके लापरबाहीसँ एक बालिकाके मृत्यु

डाक्टर उपचारमे समय नइँ देलाक कारण बालिकाक मृत्यु भेलाक कारण विरोध प्रदर्शन

Ad

कपिलवस्तु अस्पतालमे डाक्टर समयमे उपचार नइँ करलाक कारण १ वर्षिय बालिकाक जान गेल कहैत स्थानीय बासिन्दा विरोध प्रदर्शन कएलक।

चाहसँ झरकि घायल भेल कपिलवस्तुक मैनिहवाक एक बर्षिय बालिका शोफिया खानक अस्पतालमे मृत्यु भेल अछि। चाहसँ झरकलाक बाद तत्काले अस्पताल लाओल गेल छल। ओकरा एमरजेन्सीक कर्मचारी मलहम लगौलक। मलहम बाहेक आओर कोनो उपचार नइँ कएलक से परिवारक आरोप अछि ।

अस्पतालक लापरवाहीसँ बालिकाक मृत्यु भेल आरोप लगबैत संलग्न कर्मचारीकेँ कारवाही कर’ पड़त माङ्ग करैत मृतक परिवार जिला प्रशासन कार्यालयक मुलगेटमे धर्ना देन छल।

धर्नाक बाद बितल राति घटनाक समन्ध छानविन कर’ लेल समिति बनाओल जेबाक आ कियो दोषी पत्ता लगलाबाद कारबाही करब से सहमती भेलापर परिवारक प्रदर्शन रोकल गेल अछि।

कपिलवस्तु अस्पतालके मेसु किशोर बन्जाडेकेँ किछ दिन पहिने कार्यालय समयमे निजी क्लिनिकमे बेमार भेल सभके जाँच करैत पाओल गेल छल। मुदा बन्जाडेकेँ अखनधरि कोनो कारबाही नइँ भेलाक कारण अस्पतालमे लापरबाही बहुत बढल अछि से स्थानीबासिन्दाक कड़ा आरोप रहल अछि।j

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply