News

काठमाण्डूमे ‘ओरबिट इन्जिनीयरींग एक्सपो २०२२’ भेल सम्पन्न

मिथिलाक युवालोकनि बनेलनि इन्जिनियर्स म्यूजिकल नाइटकेँ मैथिलीमय…

Ad

सिर्जनशील इन्जिनियर आ इन्जिनियरिङ्ग अध्ययनरत विद्यार्थीलोकनिक साझा संस्था ‘इन्जिनीयर्स वल्गस’ द्वारा आयोजित एक्सपो २०२२ मे नेपालभरिक विभिन्न क्याम्पसक विद्यार्थीलोकनि १०० सँ बेसी प्रोजेक्ट संख्याक सङ्ग सहभागिता जनेने छल।

इन्जिनीयर्स वल्गसक प्रबन्ध निर्देशक सन्तोष कुमार यादव आइ लभ मिथिलाकेँ जानकारी दैत कहलनि, ‘ एक्सपो–२०२२ मे परियोजना प्रदर्शन (Project Demonstration) , रोबो फुटबल, रोबो युद्ध, पेपर ब्रिज लगायत चारिटा इभेन्ट सभक आयोजन कएल गेल छल।

९ आ १० डिसेम्बर कक’ दू दिवसीय आयोजित एक्सपोमे ‘ब्लड फोर नेपाल’ द्वारा रक्तदान कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल छल जइँमे कुल २४ पिन्ट ब्लड कलेक्ट भेल अछि। फ्रन्ट लाइन हॅस्पिटलद्वारा निः शुल्क स्वास्थ्य शिविरक आयोजन कएल गेल छल। २० टा व्यापारिक स्टल, खाद्य स्टल समेत राखल गेल छल, गेमिङ जोन आदि प्रदर्शनीमे राखल गेल छल।

मिथिलाक युवा चित्रकार आकांक्षा झा अपन विभिन्न चित्रसभ प्रदर्शन कएने छलीह। मिथिला कला प्रदर्शनी अइ एक्सपोक एकटा आकर्षणक केन्द्र रहल छल दर्शकलोकनिक ई कहब रहल छनि। मैथिली क्षेत्रक प्रसिद्ध जोड़ी धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ रुपा झाक उपस्थिति पाबि थप उत्साहित भेलाक बात कार्यक्रमक उप-सभापति समेत रहल यादव बतेलनि।

शैक्षिक सरकलसँ कने आगूक रेखा खिँचैत इनोभेसन इभेन्ट ‘Orbit Engineering Expo’ मे इन्जिनीयर म्यूजिकल नाइटक समेत आयोजन कएल गेल छल। जइँमे मैथिली सांस्कृतिक गीतसभपर मैथिली भाषी, संस्कृति अनुरागी इन्जिनीयरींग अध्ययनरत विद्यार्थीलोकनि पश्चिमाञ्चल क्याम्पसक अञ्जनी यादव, पायल ठाकुर आ साक्षी ठाकुर नृत्य प्रस्तुत कएने छलीह। प्रशंसा यादव विविध मैथिली प्रेम-नोकझोंक गीतपर नृत्य प्रस्तुत करैत दर्शककेँ झुमेने छलीह।

उक्त इक्सपोमे ई. माधव वेलबासीके प्रमुख आतिथ्य रहल छल। Nepal Electricity Authority क प्रबन्ध निर्देशक कुलमान सिंह, ई. सागर ढकाल, Advance College क संस्थापक रमेश शिलवाल आ प्राध्यापक डा. दुर्गा प्रसाद साङरौलाक विशिष्ट आतिथ्य आ Engineering Vlogs क सभापति आशुतोष कर्णक अध्यक्षतामे एक्सपो सम्पन्न भेल अछि। आयुश वाग्ले, स्वेता कर्ण, आयुष कर्ण, सदिक्षा खत्री, रजनीश श्रेष्ठ, दीपक दहाल, धीरज साह, मनिष पाठक, प्रशान्त यादव, आदिक संयोजन टीम रहल इक्सपोमे ९, ००० सँ बेसी लोकक सहभागिता रहल छल।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply