News

प्रथम राष्ट्रिय पानी सम्मेलनः काठमाण्डू घोषणापत्र जारी

जल तथा ऊर्जा आयोग सचिवालयक नेतृत्व आ राष्ट्रिय सिँचाइ जल उपभोक्ता महासङ्घक आयोजनामे प्रथम राष्ट्रिय पानी सम्मेलन सम्पन्न भेल अइछ।  

नेपाल राष्ट्रिय हिमनदी, जल तथा मौसम सप्ताह–२०८१केँ सार्थक बनेबाक उद्देश्यसँ शैनदिन आरम्भ भेल ई सम्मेलन रैवदिन साँझ नौँ बिन्दुके काठमाण्डू घोषणापत्र जारी करैत सम्पन्न भेल ।  

ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री दीपक खड्काक प्रमुख आतिथ्यमे दू दिनधैर चलल ई सम्मेलन तीन तहके सरकार बीच समन्वय आ सहकार्य, विकाश साझेदार संस्था, सामुदायिक संस्थासहित अन्य सरोकारवालाक संलग्नतासँ एकीकृत नदी वेसिन योजनाक आधारमे जल सुशासन सुनिश्चित करैत जलस्रोतक टिकाउ उपयोग, संरक्षण, व्यवस्थापन आ नियमन करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलक।  

सम्मेलनमे पाइनक प्रयोग आ संरक्षणसँ सम्बन्धित नीतिगत आ कानुनी व्यवस्थामे सुधार करैत सरकारी तथा गैरसरकारी संस्थाक सबलीकरण, संस्थागत क्षमता विकाश, प्रदेश सरकार आ स्थानीय तहद्वारा अपन अपन नीतिक तर्जुमे करबाक क्रममे कानुनी सामञ्जस्यता बनबए आ जलस्रोत क्षेत्रकेँ प्राथमिकतामे राइख कार्य करबाक प्रतिबद्धता जनाएल गेल।  

राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रीय सहकार्यमार्फत जलस्रोत विकाश करैत सामाजिक आ आर्थिक रूपान्तरणक टेवा देबाक, प्राकृतिक विपद् व्यवस्थापनक पूर्वतैयारी योजना निर्माण आ प्रभावकारी कार्यान्वयन करबाक, जलवायु परिवर्तनक प्रभाव न्यूनीकरण करबाक लेल नवीनतम् प्रविधिक प्रयोग करैत जलवायु उत्थानशील कार्ययोजनाक माध्यमसँ जलस्रोत क्षेत्रमे टिकाउ संरचनाक विकाश आ सेवा प्रवाह करबाक निर्णय लेल गेल अइछ।  

जलस्रोत क्षेत्रमे अध्ययन आ अनुसन्धानकेँ प्रोत्साहन देबाक सङे रैथाने ज्ञान, सीप आ प्रविधिक समावेशीकरण करैत वैज्ञानिक अभिलेखीकरण, विश्लेषण आ उपयोग बढ़ेबाक उद्देश्यसँ एकीकृत सूचना प्रणाली निर्माण आ सुदृढीकरण करबाक प्रतिबद्धता जनायल गेल।  

जलस्रोतसँ सम्बन्धितसभ सरोकारवालाक सहभागितामे साझा मञ्च निर्माण करैत समुदायक नेतृत्व सबलीकरण, क्षमता विकाश आ असल अभ्यासक निरन्तरताक पक्षमे सम्मेलन ठोस निर्णय लेलक। जलवायु परिवर्तनक कारण उत्पन्न हानि-नोकसानक परिपूर्ति करबाक लेल हरित जलवायु कोषसँ प्राप्त संसाधनसभकेँ जलस्रोत क्षेत्रमे उच्चतम् उपयोग करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त भेल।  

नेपालक समृद्धि जलविद्युत्, कृषि, सिँचाइ, पर्यटन आ खानेपाइन जकाँ क्षेत्रसभमे जलस्रोतक प्रभावकारी उपयोग करैत आर्थिक रूपान्तरण, औद्योगिक विकाश, रोजगारी सिर्जना आ क्षेत्रीय व्यापार विस्तार करबाक आधार तैयार करैत टिकाउ विकाशक लक्ष्य हासिल करबाक दिशामे अग्रसर रहबाक संकल्प सम्मेलनमे कएल गेल अइछ।  

जल तथा ऊर्जा आयोगक नेतृत्वमे एकीकृत जलस्रोत व्यवस्थापन, बहुउपयोग, संरक्षण आ नियमन सुनिश्चित करबाक प्रतिबद्धता सेहो व्यक्त कएल गेल छल।  

वातावरणीय सन्तुलन कायम राखबाक, प्राकृतिक संसाधनसभक टिकाउ व्यवस्थापन करबाक आ जलस्रोतसँ प्रदूषण न्यूनीकरण करबाक संकल्पसँ अगिला वर्षसभमे एहन सम्मेलनसभकेँ निरन्तर आयोजन करबाक आयोगक सचिव मधुप्रसाद भेटुवाल  जानकारी देलैन।


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles