ग्रीन टी पर टिकल अछि संघियता
आइ कएक दिनसँ खोजि रहल छी संघियताकेँ
मूख्यमन्त्रीक क्वार्टरमे
मन्त्रीक निवासमे
सचिवके कार्यालयमे
प्रदेश सभामे
सदनमे
संघिय सांसदके भाषणमे
मूख्यन्याधिवक्ताक सोसल साइटपर
मेयरके च्याम्बरमे
उपमेयरके इजलासमे
प्रशासकी प्रमुखके सासुरमे
पिएके गारीमे
गाममे सहरमे
चौरी चाँचर
खेतपथार
बाधबोन
दुरादलान
गाउँपालिका
नगर, महानगर, उपमहानगरमे
मुदा कतेक जब्बर ई संघियता नहि भेटि रहल अछि
पत्ता ने कतय नुकाएल अछि ई
एकदावि देखबाक मोन होइए,
नेहारबाक मोन होइए
अपना छात्तीसँ लगएबाक मोन होइए
अपन काया जुरेबाक मोन होइए
सञ्चारकर्मी मित्र कहलनि संघियता टिकल अछि ग्रीन टीमे
संघियता नाचि रहल अछि व्याडमिन्टन कोर्टमे
संघियता वित्तीय अनुशासनके भंग करैत
उदाम बनल बौआ रहल अछि
मन्तरी जनतरीक क्षेत्रमे
हमरा हमर संघियता चाही
सहिदक सपनाकेर संघियता
भुकल पिआसल थाकल, झमारल
संघियताके खोजैत खोजैत
आई आफिस घुरि अएलहुँ अछि ।
दिदी पुछि बैसैत छथि, की भेल सर ?
बड चिन्तित बुझाइत छी
कहलियनि किछु ने दिदी, गरमी छै तैं
अच्छा, ई कहुँ अपने संघियताके देखलियनि ?
हँ, अँ किएक ने ?
हमरा गाममे जे रोड बनल हइ से पक्की बनतै ।
एहि बरखाबुनीबाला समयमे हम घर तोडि देलक नेता आओर
एखनु हम भाडामे जनकपुरमे छी
धीयापूता पढबैछी
आ छोटछिन काज क जीब रहल छी
कहलक तोरे घर खातिर विकास रुकल रहतै
संघियता आएल हई
गाम गाममे थालकादो आब ने माख परतै
सगरो पक्की आ पिच रहतै,
मरघटिया, मन्दिर आ मस्जिद बनतै
ईस्कुल ढहतै
लम्बा साँस लैत दिदी बजलीह
एकबेर स्कुलपर होइत नाटकमे सेहो संघियता रहै
परधानजीके दलानमे भेल बैसारमे सेहो समोसा बँटैलैए
आ किँदुन कहाँकदन
मारै रासबात कहलकै संघियताके बारेमे
दुर जो ओहि संघियता ला अपने व्याकूल छी ?
अच्छा ई कहुँ ढण्डा पानि पिब की लेमन टी ?
अरे वाह भेटि गेल संघियता
ने ग्रीन टी त कि भेलै
लेमन टी त पिबैत छी ।
■ कवि : नित्यानन्द मण्डल
( नित्यानन्द मण्डल प्रभावशाली साहित्यकार, पत्रकार एवं समीक्षक छथि। )