नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानद्वारा दूगोट मैथिली कलाकारकेँ सम्मान।

नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान प्रदेश २ क दूगोट स्रष्टासभकेँ सम्मान कएने अछि। ओसभ नेपाल संगीत तथा नाट्य राष्ट्रीय प्रज्ञा पुरस्कार २०७७ सँ सम्मानित भेल छथि। प्रतिष्ठानद्वारा रविदिन जनकपुरमे आयोजित समर्पण समारोहमे प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत वरिष्ठ रङ्गकर्मी सुनिल मिश्र आ वंशी बाबाक नामसँ परिचित वरिष्ठ लोक-सँस्कृतिकर्मी, गायक एवं कलाकार वंशीधर मण्डलकेँ सम्मान कएल गेल अछि। मिश्र आ मण्डलकेँ एक लाख नगद तथा प्रमाण पत्र रहल प्रज्ञा पुरस्कारसँ सम्मान कएल गेल अछि । उहए अवसरमे मैथिली रङ्गमञ्चक प्रथम महिला कलाकार विद्या राणा चौधरीकेँ समेत ११ हजार नगद सहित सम्मान कएल गेल अछि। कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री राउत समाजक अयनाक रुपमे रहल स्रष्टासभक सम्मान करऽ लेल प्रदेश सरकार शीघ्रहि प्रदेश प्रज्ञा प्रतिष्ठान स्थापना करऽ लागल बातक जानकारी समेत देलनि।
नेपाल सङ्गीत तथा नाट्य प्रज्ञा-प्रतिष्ठानक परिषद सदस्य, प्रतिष्ठानक परम्परागत तथा शास्त्रीय सङ्गीत विभागक प्रमुख धीरेन्द्र प्रेमर्षिक अध्यक्षतामे भेल उक्त कार्यक्रममे भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री राम सरोज यादव नीति आयोगक उपाध्यक्ष डा. भोगेन्द्र झा, प्राध्यापक परमेश्वर कापडी, मिनाप अध्यक्ष प्रमेख झा, नित्यानन्द मण्डललगायतक व्यक्तीसभ सम्बोधन कएलनि।
भौतिक पूर्वाधारमन्त्री रामसरोज यादव पूर्वमे कोसीसँ पश्चिममे गण्डकीधरि पसरल प्रदेश २ क ५० प्रतिशत नागरिक मैथिली भाषी रहल तथा एहि प्रदेशमे मैथिली आ भोजपुरी संस्कृति माननिहारक संख्या अत्याधिक रहलक कारणहि प्रदेशक नाम मिथिला-भोजपुरा राखऽ पड़त बतेलनि।
नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानद्वारा देशभरि पुरस्कृत भेल ६ गोट श्रष्टामध्ये मिश्र आ मण्डल प्रदेश २ क बासी रहल अछि।