News

कतबो बाहरके खाउ लेकिन मनके तृप्ति आ सन्तुष्टि घरक खानासँ भेटै छै : प्रवेश मल्लिक

कलाकारलोकनि जइँ पैसामे प्यारोडी निकालैत अछि ओइमे…

Ad

मैथिली सङ्गीत क्षेत्रमे निरन्तर बढ़ि रहल अश्लीलता त चिन्ताक गप्प अछिए, प्यारोडोक वर्खासँ मैथिलीक अपन निजत्वक बान्ह कमजोर भ’ रहलसन अवस्था अछि।

सांस्कृतिक चेतनाक एहि संक्रान्ति कालमे काइल सामाजिक संजाल फेसबुकपर मिथिलासँ मुम्बईधरि अपन चर्चाक परचम लहरेनिहार जनकपुर हाल मुम्बई रहिक’ बलिउडमे पएर-हाथ भाँजि अपन परिचय बनाब’ मे सफल सङ्गीतज्ञ प्रवेश मल्लिकके बयान अखन सनसनी मचा रहल अछि। मल्लिकक मैथिली प्रति सिर्जनसब प्रशंसायोग्य आ हालके बयानक चिन्तन स्वागतयोग्य अछि।

वस्तुत: एकटा छोट उदाहरण दैत मैथिलीमे पसरल प्यारोडीकेँ तिखगर वाण मारने छथि। मैथिलीमे मौलिक आ पारम्परिक धुनपर गीत सिर्जना क’ रहल युवा  मैथिली सङ्गीतक निजत्व लेल PMP Company Pravesh Mallick नामक अपन यूट्युब चैंनलसँ ब्याक टू ब्याक हीट मैथिली गीतसब द’ रहल छथि।

हुनक ई टटका बयानकेँ बहुत सकारात्मकता आ गम्भिरतासँ मैथिलीक मौलिक सङ्गीत लेल चिन्तन कएनिहारसब ल’ रहल छथि। एहिसँ युवा पिढ़ी सङ्गीतकर्मीकेँ सीख लैत सकारात्मक सोचबाक आ करबाक चाही। नकलसँ क्षणिक चर्चा त बटोरल जा सकैत अछि मुदा आजीवन मौलिक पहिचानक पर्चा नहि गाड़ल जा सकैत अछि वा ई कहि जे आनक धन-सम्पत्ति हरपिक’ कएक दिन धनिकक ढोङ्ग रचि सकैत छी? तहिना मैथिली भाषी कलाकार लोकनिकेँ ई सोचबाक चाही जेँ हमर अहाँक भाषा-सङ्गीतमे कथिके खगता अछि जेँ हिन्दी-नेपाली आन भाषा-सङ्गीतक कनटेन्ट चोरी करबाक लेल बाध्य हएब। आबो अपन क्षमतापर विश्वास रखैत अपना आ अपन धरातलकेँ चिन्हिक’ काज कएलापर मैथिली सङ्गीतक मौलिक पहिचान गढ़थि से हुनक कहब छनि।

Ilovemithila.com सँ बातचित करैत मल्लिक कहलनि, ” मैथिली भाषा-सङ्गीतक लेल प्यारोडी बहुत चिन्ताजनक विषय छै। कलाकारलोकनि जइँ पैसामे प्यारोडी निकालैत अछि ओहिमे किछ original सेहो सोचि सकै छथि। हमरा लग किछ experimental काज अबै, किछ नयापन आ स्तरीय काज अबै त हम सहकार्य लेल तैयार छी। “

श्रोत : मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply