कक्षा २ मे पढ़निहारि प्रिन्शा खड्का ‘गोल्डेन क्विन’ क उपाधी जीतल

पछिला बर्ष इजिप्टमे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय ब्युटी एण्ड प्याजेन्ट शोमे ‘मिनी मोडल वल्ड २०१९’ के क्राउन सङ्गहि बेष्ट डान्सर आ दू मास पहिने फस्ट प्लेस ‘गोल्ड प्रिन्सेस अफ द वल्ड २०२०’ क उपाधी सङ्गहि स्पेसियल अवार्ड अफ द फेस्टिवल अन्तर्गत ‘प्रिन्सेस ओर्जिनालिटी’ अवार्ड जीतनिहारि प्रिन्शा खडका फेर दोसर अन्तर्राष्ट्रिय प्रतिष्पर्धामे जीत हासिल कएने छथि।
टीभी स्टार्ट इन्टरनेशनल फेस्टिवल अनलाइन मार्फत आयोजना कएल अन्तराष्ट्रिय ब्युटी एण्ड प्याजेन्ट शोमे विभिन्न विधामे विश्वभरिसँ १६ देशक ४० गोटे प्रतिस्पर्धीसभ सहभागी छल । जइँमध्ये नेपालक प्रतिनिधित्व करैत भाग लेनिहारि ७ वर्षिया प्रिन्शा खड्का सभकेँ पछुवाबैत ‘गोल्डेन क्विन’ क उपाधि हथिएने छथि।
आइ टिभी स्टार्ट फेस्टिवल ‘गोल्डेन क्विन अफ द टिभी स्टार्ट वल्ड २०२०’ घोषणा कएने अछि। अनलाइन मार्फत विभिन्न चरणमे सम्पन्न प्रतिष्पर्धामे उक्त सफलता प्रिन्शा हथिएने छथि । प्रतियोगितामे प्रिन्शाक विभिन्न भिडियो आ तस्बिरसभ प्रतिष्पर्धाक लेल आयोजककेँ उपलब्ध कराओल गेल छल । कार्यक्रमक संयोजन नेपाल स्थित मोर्निंग ग्लोरी इन्टरटेनमेन्ट आ मोहना मोथे खनाल कएने छलथि।
रुकुमक प्रिन्शा खड्का एहिसँ पहिने नेपालमे आयोजित ‘क्विक्स मिनी लिटल च्याम्प नेपाल २०१९’ लगायत बहुतरास टाइटल जीतने छथि। हाल काठमाडूमे कक्षा दूमे अध्ययनरत प्रिन्शा नृत्य तथा गायनमे सेहो ओतबे अब्बल छथि । विलक्षण प्रतिभाक धनी प्रिन्शा नारायण रायमाझीक बहुचर्चित गीत ‘कारगिल भाग २’ म्युजिक भिडियोमे बाल कलाकारक रुपमा उत्कृष्ट अभिनय कएने छथि । अहिना अन्य दर्जनसँ बेसी म्युजिक भिडियोसभ बाल कलाकारक रुपमे अभिनय कएनिहारि प्रिन्शाक अभिनय नीके निखरल अछि।