News

राजविराजमे ‘पब्लिक प्रेस’ राष्ट्रिय दैनिकके कार्यालय भेल उद्वघाटन 

राजविराजमे जेठ १० बुध दिन पब्लिक प्रेस राष्ट्रिय दैनिक पत्रिकाके कार्यालय उद्वघाटन करैत प्रमुख अतिथि प्रेस स्वतन्त्र सेनानी बैद्यनाथ झा पत्रकारकेँ ककरो प्रलोभन आ प्रभावमे नइ पड़बाक चाही कहलनि।

Ad

पत्रकार ककरो प्रति पुर्वाग्रह , बदलाभाव आ कोनो नजायज उदेश्य नइ रखबाक चाही, झा कहलनि स्वतन्त्र, निष्पक्ष आ निडर भकऽ समाजकेँ हित पहुँचाबैवला सत्यतथ्य समाचार सम्प्रेषण करबाक चाही। राजनीति आस्था आ व्यक्तिगत मित्रवत सम्बन्ध भेलापर तथ्यकेँ टेढ़ ककऽ समाचार लिखब पत्रकारलोकनिकेँ धर्म नइ रहल कहैत कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि झा निस्वार्थ, मर्यादित पत्रकारितामा जोड़ देलनि। पब्लिक प्रेस राष्ट्रिय दैनिकक कार्यालय निरन्तर संचालनमे आबै से ओ विश्वास व्यक्त कएलनि।

नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक अध्यक्ष श्रवण देव पत्रकार नकारात्मक संदेश प्रवाह करऽवला गतिविधि नइ हएबाक चाही बतेलनि । क्यामरा पकड़ि लेलापर आ प्रेस कार्ड गर्दनिमे लटका लेलापर पत्रकारे भऽ जाएबवला सोच अध्यक्ष देव पत्रकारक जिम्मेवारी आ व्यक्तिगत क्षमता विकास नइ कऽ सकत आ नहिये पत्रकारितामे टिक सकत उल्लेख कएलनि । पछिला समयमे पत्रकारकारिताक आड़मे गलत फायदा उठबऽवला सक्रिय रहल बताबैत ओ पत्रकार आ पत्रकारिताकेँ बदनाम करबाक छुट ककरो नइ रहल बतेलनि।

नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक सलाहकार मनोहर पोखरेल पत्रकारिता क्षेत्रमे युवासभक आकर्षण बढ़ैत आबि रहल बतेलनि। युवा पुस्ताक पत्रकारसभकेँ बेस्स हौसला प्रदान करबाक कार्यमे स्वयं तत्पर रहल बतेलनि।

सामाजिक विकासके विचार लकऽ पत्रकार बनबाक युवासभक बढ़ैत हुटहुटी सकारात्मक पक्ष रहल अछि।

ओ कहलनि ई बात सामाजिक परिवर्तनक लेल बेसी मदति पहुँचाएत । सरकारके आवश्यक नीति आनिकऽ थप संरक्षण आ प्रोत्साहन करबाक चाही । पत्रकारितामे भविष्य नइ रहल कहैत पोखरेल अपन जीवन समाज आ राष्ट्रके हितमे समर्पण करऽवला पत्रकारसभ प्रति राज्य गम्भीर हएबामे जोड़ देलनि।

पब्लिक प्रेस राष्ट्रिय दैनिक पत्रिकाक प्रकाशक नवीन निर्भय यादवक अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रममे प्रेस चौतारी नेपालक केन्द्रिय सदस्य खगेन्द्र कार्की, नेपाल आदिवासी जनजाति पत्रकार महासंघ मधेश प्रदेशक महासचिव बृजमान तामाङ, प्रेस चौतारी नेपाल सप्तरीक अध्यक्ष डम्बर राई, प्रेस सेन्टर सप्तरीक अध्यक्ष दिनानाथ यादव लगायतके पत्रकारलोकनि शुभकामना मन्तव्य व्यक्त कएने छलनि।

युवा साहित्यकार तथा आइ लभ मिथिला डटकमके संचालक विद्यानन्द वेदर्दीद्वारा संचालित कार्यक्रममे स्वागत मन्तव्य पब्लिक प्रेस राष्ट्रिय दैनिकक कार्यकारी सम्पादक पिन्टु यादव रखने छलनि।

कार्यक्रममे क्रान्ति केन्द्रक प्रवेश मिश्रा, आइ लभ मिथिलाक गजेन्द्र गजुर, म्यूजिक मैथिलीक मैथिल म्याक्स मुकेश, बरख गण राजविराजक सहायक सेनानी काजिराम खत्री, पत्रकार राज कुमार पासवान, विन्दु यादव लगायत विभिन्न संचार माध्यमक प्रतिनिधिलोकनिक उपस्थिति रहल छल। पब्लिक प्रेस राष्ट्रिय दैनिक एक बर्षसँ निरन्तर प्रकाशित होइत आएल अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles