News

मिथिला नेपालक धीया पूजा महतोक नव कीर्तिमान

ICC U19 विश्वकप महिला क्रिकेट प्रतियोगितामे चयन हेतु खेलल गेल खेलमे नेपाली टीमक कैप्टन पूजा १३0 रनक पारी खेलैत कुवेतकेँ १६५ रनसँ पराजित कएलनि।
एतबए नइ, पूजा ५ विकेट सेहो लेलनि। ई सम्पूर्ण नेपाली आ मैथिल-मधेशीसभक लेल गौरवक विषय अछि।

आइसिसी यू-१९, महिला विश्वकप एसिया छनोट २०२४ अन्तर्गत कुवेतविरूद्धक खेलमे नेपालक कैप्टन पूजा महतो एखन धरिक उत्कृष्ट प्रदर्शन कएने छथि। महोत्तरी गौशालाक पूजा महतो, नेपाल महिला क्रिकेट अन्डर-१९ क कैप्टन छथि।

पूजा बलिङ आ बैटिङमे सब सँ निक प्रदर्शन कएलाक कारणेँ नेपाल १६५ रनसँ जितल अछि। पूजा एहि खेलमे एक शतक आ पाँच विकेट ढालैत इतिहासे रचि देलखिन। महतो जी, नेपालक लेल एक्कहि टा खेलमे पाँच विकेट लेब बाली आ एक शतक रण बनाबबाली पहिल खेलाडी समेत भ गेल छथि।

युएईक अजमान स्थित ‘द सेभेन्स रंगशाला’मे टस जित पहिले बैटिङ कएने नेपालक लेल कैप्टन पूजा खेलमे नटआउट रहैत १३० रन बनाइब इतिहास बनौलथि। महतो जी, नेपालक महिला यू-१९ टोलीक लेल अन्तराष्ट्रिय शतक प्रहार करहिबाली पहिल ब्याटर भेल छथि। ओ ६९ बल खेलैत १७ चौका लगौने छथि। सोनी पाख्रिन नटआउट रहैत ४३ रन बनबैत पूजाकेँ मजगूत संग देलथि। सोनी ३३ बलमे २ चौका लगौलथि।

पूजा ओ सोनी बीच नटआउट १५७ रनक साझेदारी भेल छल। हिनका दूनूक उत्कृष्ट बैटिङससँ नेपाल २ विकेटक क्षतिमे २१३ रन बनौलक। ई नेपाली महिला यू-१९ टोली द्वारा बनाओल गेल एखन धरिक उच्च स्कोर अछि।

ओहि सँ पहिने ओपनरद्वय सना प्रवीन ६ रन आ सावित्री धामी ११ रन बनबैत आउट भेल छलथि।

नेपाल द्वारा देल गेल २१४ रनक लक्ष्य लेल खेल मैदानमे उतरल कुवेत मात्र ४८ रनमे पुरा खेलाड़ी आउट भ गेलथि। परिणाम स्वरूप, नेपाल १६५ रनक फराक जित हासिल कएलक।

कुवेतक लेल, जिफा जिलानी ३६ रन बनौलथि, मुदा बाँकी ब्याटरसब दू अंकक रन बनाब धरि सेहो नइँ पहुंच सकलथि।

बलिङमे सेहो कैप्टन पूजा पाँच विकेट लेलथि। ओ ४ ओभरमे एक मेडन ओवरक संग मात्र ८ रन दलथि। रचना चौधरी ओ सीमा केसी २-२ विकेट लेलथि।

प्रतियोगितामे नेपाल पहिल राउन्डक लिग, खेल लेने अछि।जाहिमे नेपाल कुवेत आ थाइल्यान्डकेँ पराजित कएलाक बाद आयोजक युएईसँ हारल छल। नेपाल यदि दोसर राउन्डक लिगमे थाइल्यान्ड ओ कुवेतसँ हारत त , फेर युएईसँ खेलत।

उक्त प्रतियोगितासँ एक टोली आगामी जनावरीमे मलेसियामे होबए जा रहल विश्वकपमे छानल जाएत। नेपाल विश्वकपमे अपन स्थान पक्का करबाक लेल आजुक खेल जितबाक संग युएईकेँ पराजित करबाक दबाब बनल अछि। नेपाल आ युएईबीचक खेल इयह बुधवार के होएत।

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles