मैथिलीक लघुफिल्म अफवाह – द रयूमरसँ चर्चाक केन्द्रमे एनिहार युवा निर्देशक पूर्णेन्दु झा आइ एकटा सफल फिल्म निर्देशकक रूपमे परिगणित व्यक्तित्व छथि।
नेपालीय मिथिला क्षेत्रक सर्लाही जिलाक गौड़ता गाम रहनिहार पूर्णेन्दुक शिक्षा दीक्षा काठमाण्डूमे भेल आ ओतहिसँ फिल्म स्टडीजमे स्नातक कएलनि। पुनः मुम्बई जाक’ जी मिडिया इंस्टीट्यूटसँ मास कम्यूनिकेशनक विधिवत पढ़ाइ कएलनि आ सक्रिय भेलाह फिल्म निर्देशनक क्षेत्रमे कैरियर बनब’ लेल।
अक्षय कुमार अभिनीत चर्चित हिन्दी फिल्म “बेबी” आ स्पेनिश फिल्म “काठमाण्डू सांग” मे सहायक निर्देशनक काज करैत नेपालमे आबि सक्रिय भेलाह आ अपन मातृभाषामे कएटा लघुफिल्मक निर्माण आ निर्देशन कएलनि । कंचन, पंचैती, अफवाह आ कनियाँ-पुतरा आदिमे हिनक निर्देशन क्षमताक प्रशंसा भेल।
नेपाली भाषाक सशक्त फिल्म “संरक्षण” ल’ क’ स्वतंत्र निर्देशक रुपमे ख्याति प्राप्त कएलनि । मैथिलीसँ एतेक न सिनेह अछि जे नेपाली फिल्म संरक्षणमे सेहो दुटा गीत ( होरीमे गोरी आ किशोरी लाल) मैथिली भाषामे रखलनि। ई सिनेमा खूब प्रसिद्धि पएलक, जकर बाद दोसर नेपाली फिल्म ‘चौकादाउ’ क सफल निर्देशन करैत निरन्तर आगू बढ़ि रहल छथि ।
कोरोनाकालमे काज सभ ठमकलनि आ आब हिन्दी फिल्म अफेयर लेल कार्य आरम्भ क’ रहल छथि । वस्तुतः पूर्णेन्दु एकटा सजग, सहज आ प्रयोगधर्मी निर्देशक रूपमे चिन्हित भ’ रहल छथि, जइसँ मैथिली सिनेमाक सेहो बड्ड आश बढ़ि गेल अछि।… आब देखबाक चाही जे मैथिली लेल हिनक अगिला कोन डेग उठेत अछि ।
• श्रोत : मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश