EntertainmentNews

मधेशके कथामे ‘राजागंज’

काठमाण्डू, २२ फागुनः नेपाली चलचित्र निर्देशनके अन्तर्राष्ट्रीय रूपमे परिचित निर्देशक दीपक रौनियार निर्देशित ‘राजागंज’ मधेशके कथामे तैयार कएल गेल अछि । हाले आयोजित पत्रकार भेटघाटमे निर्देशक रौनियार हम लगभग आठ वर्ष पहिने सोचल कथाकेँ चलचित्रमे आनलाैँ, कहलनि ।

ओ कहलनि, “ई हमर भोगल सेहो छै मुदा एकरा प्रहरीके कथामे बना क तैयार कएलाैँ। मधेशके संस्कृति, विविधता, विभेदलगायत घटनाक्रमकेँ अइमे देखाएल गेल अछि । ई एकटा महिला प्रहरी अधिकृतके कथा छी ।”

निर्देशक रौनियार चलचित्रके विषय सोचलाक बाद बहुत महिला प्रहरीकेँ भेट क कएल गेल बातचितके आधारमे ‘पूजा’ नामके पात्रके निर्माण कएल गेल बताैलनि । ओ कहलनि “नेपालसँ बाहर अइ चलचित्रकेँ ‘पूजा सर’के नाममे प्रदर्शन कएल जाएत।” अइ चलचित्रमे सात महिला पात्र केन्द्रीय भूमिकामे अछि । “मधेशमे महिला कार्यकारी भेल बखत परिस्थिति आ हुनका उपर होएबला समस्याकेँ अइमे देखेबाक कोसिश कएने छी । विश्वके बड़का-बड़का महोत्सवमे छानल चलचित्रमे भर्खर हमरासभ नेपालके अनने छी । ई हमर समाजेके एकटा कथा वा घटना छियै”, ओ कहलनि ।

चलचित्रके केन्द्रीय भूमिकामे रहल कलाकारमध्ये एक अभिनेता दयाहाङ राई छथि । ओ व्यावसायिक सफल चलचित्र ‘कबड्डी’ आ ‘जारी’ सङे अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सवमे चयन भेल चलचित्र ‘हाइवे’, ‘सेतो सूर्य’,‘गाउँ आएको बाटो’ लगायतमे सेहो काज क चुकल छथि ।

कलात्मक आ व्यावसायिक दुनु किसिमके चलचित्रमे अभिनय लेल ताहि अनुसार तैयारी कएने अभिनेता राई बताैलनि । “एके किसिमके चलचित्रमे प्रस्तुत भेलापर विविधता नइँ आएत । हमरासभ किछ समयसँ अब्बल चलचित्र बना रहल छी, जे अन्तर्राष्ट्रीय महोत्सवमे वाहवाही पाबि रहल अछि ।”, ओ कहलनि ।

चलचित्रमे अभिनेता राईसङे आशा मगराती, विजय बराल, गौमाया गुरुङ, पशुपति राई, पूर्वमिस नेपाल निकिता चन्द, पुष्पा यादव, आरती मण्डल, घनश्याम मिश्र, परमेश्वर कुमार झा, नीरज श्रेष्ठलगायत कलाकारके अभिनय रहल अछि । नेपलमे सार्वजनिक प्रदर्शनसँ पहिने भेनिस, ह्याम्बर्ग, बुसान आ मुम्बईजकाँ अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सवमे ‘राजागञ्ज’ छनाैट भ प्रदर्शन भ चुकल अछि ।

नेपाल आ भारतके सीमावर्ती शहरमे अपहरण भेल दू बालककेँ मुक्त करेबाक लेल खोजीके कथा सेहो अइमे समेटल गेल निर्मातामध्ये एक रामबाबु गुरुङ जानकारी देलनि अछि । ओ कहलनि, “मधेशके सौन्दर्य, संस्कृतिसङे ताहि ठाँम भेल एकटा घटनाक्रमकेँ हमरासभ चलचित्रके विषय बनाैने छी ।” ई चलचित्र निर्माणमे भारतीय निर्देशक अनुराग कश्यप, निर्देशक रामबाबु गुरुङ, अभिनेता दयाहाङ राई सहकार्य कएने ओ बताैलनि ।
––– (रासस)

I Love Mithila

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles