News

राजविराज नगरपालिकामे मेयर आ उपमेयर जसपाके विजयी

सप्तरी जिलाक राजविराज नगरपालिकाके मेयर आ उपमेयर दुनू पदमे जनता समाजवादी पार्टी (जसपा)क उम्मेदवार विजयी भेल अछि।

Ad

मेयरमे भिमराज यादव ४ हजार ८१७ आ उपमेयरमे इसरत प्रविण २ हजार ८३७ मतान्तरसँ विजयी भेल ।

मेयरमे भिमराज कुल ९ हजार ६२४ मत अनने छथि । हुनक निकटतम प्रतिस्पर्धी नेकपा माओवादी केन्द्रके शम्भुप्रसाद यादव ४ हजार ८०७ मत प्राप्त कएने छथि । प्रतिस्पर्धी शम्भुप्रसाद निवर्तमान मेयर सेहो रहल छथि ।

तहिना, राजविराज नगरपालिका उपमेयरमे निर्वाचित भेल इसरतके कुल ७ हजार २६४ मत प्राप्त कएलनि। उपमेयर पदक निकटतम प्रतिस्पर्धी नेपाली कांग्रेसक शुशिलाकुमारी यादव ४ हजार ४२७ मत प्राप्त कएने छथि ।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply