Opinion

Maithili Comedy जगतके सर्वाधिक चर्चित ‘रामलाल’ सँ ४५ म जन्मदिनपर बातचीत

हम रेडियोमे अन्तरवार्ता देब' गेल रहियै ,मुदा फेल क' देलक !

मिथिलाक गाम-गामसँ होइत शहर-बस्ती मात्र नइँ राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय जगतमे अपन प्रसिद्धिक परचम लहरेनिहार हास्य जगतक श्रोताके मोनक मञ्चके ‘हिरो हिरालाल’ छथि रामलाल ! Ramlal ke Maithili Comedy तथा Ramlal Ke interview खाेजि रहल छी तँ अहाँ सही ठाममे छी। रामलाल अपन स्तर-स्थानसँ सदति हास्य-व्यंग्यक(Ramlal Comedy) क्षेत्रसँ मैथिली भाषाकेँ उन्नयनमे क्रान्ति मचेनिहार, बच्चासँ बुजुर्गधरिक हृदयमे अपन लोकप्रियता लोढ़निहार प्रख्यात हास्य कलाकार ‘रामलाल’ नामसँ जिनका लोक चिन्है छथि हिनकर वास्तविक नाम भूपेन्द्र प्रसाद मण्डल अछि। विष्णुपुर गाउँपालिका, ईटहरी गाम, सप्तरी जिलामे हिनकर घर अछि। आइ ४५ म जन्मदिनपर (२०७७ कातिक १९ गते) शुभकामना देबाक क्रममे ilovemithila.com के सम्पादक विद्यानन्द वेदर्दीद्वारा लेल गेल अन्तरर्वाता परसैत छी –

Ad

● रामलाल जी, सबसँ पहिने अहाँकेँ जन्मदिवसक सतरङ्गी शुभकामना अछि। Ilovemithila.com सँ एहि वार्तामे सादर स्वागत तथा अभिवादन करैत छी ।

– धन्यवाद, विद्या बाबू। Ilovemithila.com केँ जे हमर दू शब्द हमर परम प्रिय दर्शककेँ माेनधरि पहुँचेबाक हमरा अवसर द’ रहल छी।

● हाल युट्युबमे Comedy मे Maithili Comedy के पर्यायवाची Ramlal Comedy बनि गेल छै ! अपनेँक शुरूआत कोना भेल हास्य क्षेत्रमे ? रेडियोसँ हमसभ परिचिते छी,ई यूट्यूबपर एकबागि कोना viral भेलौँ ?

– हमर शुरुआती भोरूकवा एफ. एम. राजविराजसँ भेल। हमर गुरूदेव महेन्द्र मण्डल ‘वनवारी’ जीक सौजन्यसँ नुन-मरचाइ आ लोटपोटमे अपन अभिनय निखार करबाक Platform भेटल। Youtube के दुनियाँमे किछ नइँ जनैत छलौँ। हम इन्टरनेटसँ काते-करोट रहैत छलौँ, अखनो रहैत छी। हमरा किछ बुझल नइँ छल YouTube कि होइ छै Facebook कि होइ छै ? क्यामराक मुह देखब’ वला स्वर्गीय धर्मेन्द्र यादव ‘धर्मात्मा’ जी रहथि आ चन्दन मिश्र जी छथि। स्वर्गीय धर्मात्माक हम मामा लागब। ओ भोर-साँझ राति कखनो हमरासँ भेटिते देरी कहैत छलाह “मामा भिडियो कर’ पड़तै।” हुनक सिनेह-सत्कारकेँ हम रोकि नइँ सकलाैँ। हम क्यामरासँ अनभिज्ञ रहितो, क्यामराक आगू एलौँ। आइ ओ हमरा आनिक’ अपने चलि गेलथि। सतसत नमन करब हुनका। हमरा अवसर आ स्थानक लेल धर्मात्मा आ चन्दन जी सदैव धन्यवादक पात्र छथि।

Bhupendra Mandal (Ramlal) with Pooja Janakpurwali

● देखैत छी जे सर्वाधिक हास्य चैनलपर अहाँ छाएल रहैत छी, कएकटा यूट्यूबपर अधिकारिक रूपमे काज भ’ रहल अछि ?

– हम अखन कुल १२ टा यूट्यूबपर काज क’ रहल छी अपन टीमसभक सङ्ग । मैथिली खूशीसँ शुरूआत कएलौँ। चन्दन मिश्रा, मिथिला-मैथिली, मिथिला डॅन, मिथिला टाइगर, इत्यादी चैनलपर छी। यादो नइँ रहैए जे कोन भिडियो कोन यूट्यूबपर ऑपलोड होइए। हम काजमे भिड़ल रहैत छी, काम हमर प्राथमिकता अछि। नाम तँ हमर दर्शक आ माँ मैथिली बनाइए देती। दाम तँ कि छै, जिनगी कटि जाइ छै। बस हमरा लेल ततबे बेसी।

(Sorce: Chandan Mishra,Same Day Uploaded)

● प्राय ई होइ छै जेँ हास्य कलाकारके पर्दा पाछुक जीवनमे हँसी नइँ वेदना रहैत छै। अहाँ केहन संघर्षपूर्ण यात्रा अखनधरि तय कएलौँ ? कि ओइसँ सन्तुष्ट छी ?

– शुरूआतीमे बुझ’ सिख’ लेल तँ काफी संघर्ष कएलौँ। पहिने समाचार वाचक आ रेडियो उद्घोषक बनबाक सपना लक’ रेडियोमे फारम भरलौँ, अन्तरवार्ता भेल मुदा सेलेक्ट नइँ भेलौँ। छाँटल गेलौँ। फेर कमेडीमे जुड़लौँ। रेडियोसँ यूट्यूबधरिक यात्रा हमरा लेल संघर्षपूर्ण रहल। अखन स्क्रिप्ट लिख’ पड़ैत छै हमरे, निर्देशन सेहो कएकटा यूट्यूबपर कर’ पड़ैत छै आ अभिनय तँ करिते छी। संघर्षपूर्ण छैहे। हम मैथिलीए लेल जीबै छी, खटै छी। हम सन्तुष्ट छी, हमरालग किछ चीजक अभाव नइँ अछि। मिथिलावासी भ’ हम जन्मलौँ, इहए हमर जिनगीक पहिल सफलता छी।
बच्चासँ बुढ़ बुजुर्गधरि हमरा सिनेह दैए। सभक मनमे हमरा स्थान भेटि रहल अछि कोना नइँ सन्तुष्ट रही? घर जोड़’ लेल आ मन जोड़’ लेल पहुँच जाइए, आओर की चाही विद्या बाबू ?

● अगिला प्रोजेक्टसभ कि अछि ? केहेन योजना बना रहल छी ? आगू केहेन आश कएने छी जे कोन तरहक काज करितौँ तँ आओर लाभपूर्ण होइतै अपनो करियरक लेल आ अपन मैथिली इंडस्ट्री लेल सेहो?

– अखनो हम कमेडी भिडियो सुटिङ्गक लेल सुनसरी आएल छी नइँ तँ विद्या बाबू घरेपर अपनेकेँ बजा लैतौँ। हमर माए – हमर मातृभाषा मैथिली दुनियाँक सभसँ मिठ्ठ भाषा अछि। हाल मैथिली फिल्म उद्योगके अवस्था ततेक ठीक नइँ छै। तथापि हम फिल्म वा सर्ट फिल्म कर’ चाहैत छी देखबै जेँ कोना नइँ चलै छै ! मैथिली फिल्म जँ ढंगके बनतै, ई चलतै नइँ ई दौगतै। कियो कथा दमगर लिखथि आ पात्रक लेल सुटेबुल कलाकार छनोट करथि, सभ मिलिक’ आर्थिक-श्रोत जुटाबी तँ देखी जेँ कोना नइँ आन भाषाजकाँ अपनो भाषाके फिल्म चलै छै। मैथिली इंडस्ट्री स्थापना होए, हम ओइ दिनक आशा ल’ सपनाक अंगनामे बैसल छी। एहि लेल हम अपन दिससँ सदैव क्रियाशील रहब से विश्वास जनबैत छी।

● अपने सामाजिक संजालपर सक्रिय नइँ रहैत छी मुदा अपनेक भिडियोसभ तँ ओहुना चर्चा बटोरिए रहल देखाइत अछि। आइ जन्मदिवस अपनेँक शुभकामनाके वर्षा भ’ रहल अछि। कि कह’ चाहब, कि सम्बोधन कर’ चाहब अपन FAN दर्शकसभकेँ ?

– सर्वप्रथम तँ काठमाण्डूमे रहि सौसे देशभरिमे मिथिला-मैथिलीक झण्डा फहरेनिहार, मैथिलीके व्याप्क प्रचार कएनिहार आदर्श जोड़ी धीरेन्द्र प्रेमर्षि भाइजी आ रूपा दिदीकेँ आभार व्यक्त कर’ चाहब जे हमरा जन्मदिनपर हुनकासभक शुभकामना भेटल। अहाँसभ वा हमर आदरणीय दर्शककेँ शुभकामना पाबि रहल छी, सभकेँ धन्यवाद। ओना अपनासब परम्परागत जन्मदिनमे केक काटि वा भव्य रूपमे नइँ मनबैत छी। जनमदिन हमरा लेल करमदिन अछि। अखनो क्यामरा-लाइट आगूए छी। सदति हमर कामकेँ पसिन कएनिहार, हमर आवाज सुनि,अभिनय देखि हँसि देनिहार, प्रत्यक्ष-अप्रत्यक्ष हमरा चाहनिहार सम्पूर्ण श्रोता-दर्शकसभकेँ कोमल चरणमे प्रणाम कर’ चाहब। हम किछ नइँ छी, जे छी बस अहाँसभक सिनेहसँ बनल छी। ई माया-सिनेह बनेने रही। हम मिथिलाक लाल रामलाल जेँ किछ कमाल छै से प्रस्फुटन करैत चलब। ..(रामलालक आवाजमे) भरदुतिया,हुक्का पाती,हुरिहा समग्र दीयाबाती आ मिथिलाक माए-बहिनक महान पावनि छठिके सभकेँ शुभकामना दैत छी। राम लालपर आर्शिवाद बनेने रहब।

Sorce: Maithili Khushi (Ramlal’s First Comedy Video Starting, 3 year’s Ago)

जय मिथिला !

 अपन समय कपचिक’ सङ्ग रहलौँ, हार्दिक धन्यवाद रामलाल जी । श्रोताक हियास्थलमे सदति राज करैत चली अपन आवाजसँ, अपन अभिनयसँ। मिथिलाक गौरव बढबैत रही, जन्मदिनपर फेरसँ ढेरढाकी शुभकामना ilovemithila.com परिवारक दिससँ।

Ram Lal with Dashani Devi Yadav, Saraswati & Shiwani Sapatriya

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

One Comment

  1. बड़ निक अन्तरवार्ता लागल भुपेंद्र मंडल(रामलाल) जी सङ्गक विद्यानन्द जी। बहुत रास जनलौ बहुत रास बांकीय रहिगेल, आसा करैत छी दोसर अन्तरवार्ता मे आर वात सब जानब ।
    धन्यवाद !!!!!

Leave a Reply