News

राजविराजमे प्रथम श्री जगन्नाथ रथयात्रा सम्पन्न

अफ्रीकन, अमेरिकन आ भारतीय श्रद्धालु भक्त उपस्थिति

राजविराजमे पहिल बेर श्री जगन्नाथ रथ यात्रा सम्पन्न भेल अछि।

Ad

श्री जगन्नाथ कथा / कीर्तन अगहन २८-२९ आ पुस १ गतेके आयोजन भेल छल त श्री जगन्नाथ रथयात्रा आइ भोर १२ बजेसँ राजविराज-७, हटिया स्थित श्री लक्ष्मीनारायण राधाकृष्ण मन्दिरक प्राङ्गनसँ जगन्नाथ, बलदेव आ सुभद्रा महारानीक प्रतिमा बना रथापर राखि राजविराज नगर परिक्रमा लेल शुभारम्भ भेल छल।

श्री जगन्नाथ रथयात्रा समिति, राजविराजद्वारा आयोजित दू हजारसँ बेसी लोकके भीड़ रहल रथयात्रामे अफ्रीकन, अमेरिकन आ भारतीय प्राचार्य आ श्रद्धालु-भक्तसभक उपस्थिति आ भजन-कीर्तन आकर्षित संग अपन संस्कृति, संस्कार संरक्षण आ सम्वर्द्धन लेल प्रेरित समेत कएने छल।

युवा समाजसेवी विष्णुप्रताप साह आइ लभ मिथिलासँ कहलनि, ‘ अंहिसा, अमानवीय, भेदभाव, अशान्ति, भ्रष्टाचार, आदिसँ पीड़ित ई मधेश प्रदेशमे अध्यात्मिक चेतना आ शिक्षाक अभाव रहल अछि।

पहिल बेर हुअ जा रहल ई ऐतिहासिक रथयात्रा छियै जेँ सबकेँ जगाब’ कए काज क’ रहल अछि। राजनीतिमे कतेक मगन रहब, धर्म आ मानवीय कर्मक क्षेत्रमे सेहो सामाजिक योगदान करी। मोनक नीति साफ करी तखने राजनीति साफ हएत। ‘

धरान आ विराटनगरक ISCKON, श्री राधा-कृष्ण भक्ति भावना अमृत संघ, लगायत आध्यात्मिक संस्थाक सहकार्य समेत रहल रथयात्रामे राजविराजक स्थानीय व्यापारी एवं समाजसेवी युवासभ फलफूल, पानि, जुस आदि सामग्री बाँटैत आ सम्पूर्ण भक्तजन कृष्णा-राम नामक संकीर्तन भरि नगरमे करैत हर्षोल्लासक सङ्ग सम्पन्न भेल अछि, जइँमे महिलावर्गकेँ भरिगर उपस्थिति छल।

कार्यक्रममे युवा नेताद्वय पार्थो सरकार, शैलेन्द्र यादव, सुशील यादव, श्यामकुमार यादव, कलाकार एवं गायक संजय झा, युवा नेत्री रमीला साह, आम नेपाली टिभी आ पब्लिक प्रेसक नवीन निर्भय, कान्तिपुर टिभीक आर एन विश्वास आ आइ लभ मिथिलाक विद्यानन्द वेदर्दी आ गजेन्द्र गजुर समेत सहभागि भेल छल।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : Vidyanand.bedardi96@gmail.com

Related Articles

Leave a Reply