विश्वके पहिल मैथिली भाषा-सङ्गीतक Music Streaming Platform : Music Maithili App तथा Website क उद्घाटन कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि।
विश्व सङ्गीत दिवस अखाड़ ०७ ( २१ जुन) क दिन I Love Mithila Media के फेसबुकपर लाइभ कार्यक्रम करि Music Maithili के प्रमुख अतिथि मधेश प्रदेशक अर्थमन्त्री शैलेन्द्र प्रसाद साह सार्वजनिक कएने छथि।
विशिष्ट अतिथि कवयित्री विभा झा, वरिष्ठ गायक गुरूदेव कामत, मैथिलीक सर्वप्रिय जोड़ी धीरेन्द्र प्रेमर्षि आ रूपा झा छल। चर्चित युवा गायिका ज्योती विश्वकर्मा, गायक रुद्रसेन विश्वकर्मा सहित प्रस्तुति रहल छल। मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश राष्ट्रिय दैनिक समवंय सम्पादक किसलय कृष्ण, वरिष्ठ गीतकार अशोक दत्त, कालिकान्त झा ‘तृषित’, रामभरोष कापड़ि ‘भ्रमर’, अर्जुन दर्दिला, सुप्रसिद्ध गायक सुनिल मल्लिक आ गायक रोशन मण्डल लगायतक संगीतकर्मीलोकनि शुभकामना देलथि
Music Maithili is The World’s First Music Streaming App of Maithili – Team
युवा गायक तेजू मैथिलद्वारा गोसाउनि गायनसँ कार्यक्रम प्रारम्भ भेल। नारायण मधुशालाद्वारा विषय प्रवेश कराएल गेल । तत्पश्चात ‘म्यूजिक मैथिली’ के गीत मन्त्री शैलेन्द्र प्रसाद साह बजाएक वेबसाइट Maithili.com.np क उद्घाटन कएलनि। उक्त गीत गायिका नेहा प्रियदर्शनी, संगितकर्मी सुनिल मल्लिक सङ्गीत आ गीतकार विद्यानन्द बेदर्दीद्वारा लिखल अछि।
Music Maithili के विषयमे अतिथिके प्रतिक्रिया
■ विभा झा कहलनि , “नव कोपर (नवतुरिया) सबकेँ जँ नइँ सहेजब त आगूक परम्परा पाछु छुटि जाएत। “
■ गुरूदेव कामति कहलनि, ” सबसँ बेसी खूशी हमरा होइए, मिथिलामे जन्मलौ। आइधरि बहुत किछु कएलौँ। मैथिली संगीत, मैथिल संस्कार-संस्कृतिकेँ अइ तरहक मिडियामे परसब ई प्लेटफर्म पहिल बेर देखलौँ। हमर सभ्यतापर, हमर भाषापर आब आक्रमण कियो नइँ क’ सकैए। मिथिलाक मौलिकता अद्वितिय रहल छै।”
■ धीरेन्द्र प्रेमर्षि कहलनि, ” अइ टीमक सोच-शक्रियतासँ हमरोसबकेँ उर्जा भेटैए। प्रज्ञा प्रतिष्ठानक कार्यकर्ममे भरि दिन व्यस्त रहलोसँ शुभकामना देब’ लए उपस्थित छी। “
■ रूपा झा कहलनि , ” आजुक दिन ऐतिहासिक दिनक रूपमे गनल जाएत। “
■ किसलय कृष्ण कहलनि, ” मौलिक सङ्गीत लेल ई सकारात्मक डेग विश्वक पटलपर सार्थक शिद्ध होए।”
शैलेन्द्र प्रसाद साह Music Maithili प्रति विचार
मन्त्री साह कहलनि ,
“आजुक ई क्रार्यक्रममे हम बहुत गौरववान्वित महशुस क’ रहल छी जेँ विश्वक पहिल मैथिली म्यूजिक स्टर्मिङ्ग एप आ वेवसाइटक शुभारम्भ कर’ कए अवसर भेटल। विश्वमे अपन मैथिली भाषा लेल युवालोकनि ई प्रयास बहुत प्रंशसाक बात छै। ‘मातृभूमि आ मातृभाषा’ माए होइ छै, एकर संरक्षण लेल ई पैघ कदम उठाक’ खटल सम्पूर्ण युवा आ आइ लभ मिथिला टीमकेँ धन्यवाद देब’ चाहैत छी। मधेश प्रदेशक पहिल स्थानक मैथिली भाषा लेल पहिल बेर संरक्षण-सम्बर्द्धन लेल तत्काल एक करोड़ बजेट विनियोजन कएल गेल अछि। एकर उत्थान लेल हमर पुरा प्रयास छै।
मैथिल संस्कृतिकेँ प्रोमोश्न अपन दैनिकी आ सरकारी गतिविधीमे समेत क’ रहल छी। प्रदेशसँ विश्वभरि मैथिली भाषाक विस्तार लेल मैथिली संगीत आ संगीतकर्मीकेँ हाथ-हाथ सुनि सकब खूशी आ गौरवके बात छै। राज्यद्वारा मैथिली भाषा-संगीतकर्मीके उचित सम्मान देब’ नइँ सकल अछि। हम मन्त्री रहितो आ नइँ रहितो मैथिलीकर्मीलोकनिकेँ ओतबे सहयोग आ सहकार्य करब।
उक्त कार्यक्रमक अध्यक्षता मैथिली म्याक्स (मुकेश यादव) कएने रहनि आ सम्पूर्ण कार्यक्रमके संचालन ‘I Love Mithila’ क संचालकद्वय विद्यानन्द वेदर्दी आ गजेन्द्र गजुर कएलनि।
Music Maithili एपके पृष्ठभूमि
मैथिली भाषी आ मैथिली प्रेमीके लेल आत्म-गाैरव योग्य ई एपलिकेशन ‘I Love Mithila Media Group’ क ई Dream Project रहल छल। जाहिमे कलाकार सभ अपन गीत सङ्गीत, पोडकास्ट, रेडियो, अडियो किताब राखने छथि आ राखि सकै छथि। जे Gaana, Jio Savan, Saregama Music, Spotify, Wynk Music जकाँ Music सभकेँ व्यवस्थित ढंगसँ राखल गेल अछि।
Music Maithili एपके सुविधा
अइसँ अफलाइन आ अनलाइन दुनू माध्यमसँ गीत सुनऽ मे पहिनेसँ बहुत सहज हएत से जानकारी प्राप्त भेल अछि। अइसँ मैथिली गीतके प्रोमोशन, प्रविधिमे मैथिलीके पैघ पहुँच बढत। एकर सुविधासभमे Non-stop streaming, Chosen/ Selected Music Audio Play / Music details / artists Biography /Album Details / Follow artists, Make own profile, Like Comment on any music, create playlist, गीत Download / अपन गीत Upload, Sale Music आदि सुविधासब प्रदान कएल गेल अछि।