News

‘अनुपम रङ्ग’ : अपन रङ्गसँ रङ्गि रहल श्रोतामनके

नितिन गजूरेलक मैथिली म्यूजिक भिडियो ‘दिलके डायरी’ बाद ‘अनुपम रङ्ग’ :अपन रङ्गसँ रङ्गि रहल अछि संगीतप्रेमी श्रोता,दर्शकसभक मोनके।

पूर्वक लोकप्रिय गायक सिरहा,मिर्चैया निवासी हाल : विराटनगर,मोरङ्ग रहि रहल नितिन गजुरेलक मिथिला-मधेश लगायत देश-विदेशभरिमे प्रशंसा बटोरल मैथिली म्यूजिक भिडियो ‘दिलके डायरी’ के, बाद नेपाली भाषाक नव गीति समाद ‘अनुपम रङ्ग’ साओन १५ गते शुक्र दिन साझ ६ बजे यूट्युब चैनल OSR Digital पर रिलिज कएल गेल अछि।

Ad

रिलिज हएबाक १ दिनबादक जानकारीअनुसार ‘अनुपम रङ्ग’ म्यूजिक भिडियो बस किछूए समयमे हिट रहल छल। ई समाचार तैयार भ’ रहल समयक डाटा अनुसार १ हप्तामे १ लाख ८ हजार ८ सय ८३ टा भिवर्स ई भिडियोके देखने अछि। ‘अनुपम रङ्ग’ लोकप्रियताक रङ्ग तिव्र गतीमे चढा रहल अछि।अत्याधिक दर्शक सभ देखि रहल छथि।

दर्जनो हिट नेपाली गीत (जेना : आकास धर्ती बीचको दुरी बदल्न सकिन,आज राती तिमी,झुक्यारै नजरको बल्छी हान्यौ,आँखैले हेर्यौ,इत्यादी) तहिना पछिल्ला चरणमे विद्यानन्द वेदर्दीके शब्दमे मैथिली चर्चित गीत ‘अपन दिलके डायरीमे लिखि देलौँ अहीँके नाम’ के गायक नितिन गजुरेल ई Music Video मे अपन सुमधुर स्वरसँ सजौने छथि तँ निर्भिम शब्द गढने छथि, सुदाम थापा संगीत भरने छथि तँ गीतके एरेन्ज चान्द सिंह कएने छथि।

View also:– पूर्व क्रिकेटरकेँ कोरोना संक्रमण

अभिनय केसभ कएने अछि ?

म्युजिक भिडियोमे वर्तमान समयके चर्चित नेपाली / मैथिली गीति भिडियोमे अभिनय कएनिहार युवा मोनक पसन्दिदा मोडेल कमल सिंह तथा शुशिला थापा अभिनय कएने छथि। हिनक दूनूके अभिनय देखलाबाद एकटा सामाजिक एवं पारिवारिक माहोलमे रहि देख’बला प्रेमगीति भिडियो तैयार कर’मे नितिन गजूरेल वा निर्माता-निर्देशक टीम सफल भेल अछि से महशुश होइत अछि। सुरेन्द्र बसेल कोरियोग्राफ कएने छथि,बुद्ध थापा छायांकन कएने छथि तँ प्रसिद्ध युवा निर्देशक रयान कार्की निर्देशन कएने छथि।

New post:- धीरेन्द्र प्रेमर्षिक पाचँटा मैथिली गजल

लकडाउनक समयमे अपन दर्शक तथा सिनेहीलोकनिक लेल ई म्युजिक भिडियो बजारमे आनलाक जानकारी सङ्गहि किछू मैथिली म्यूजिक भिडियोक तैयारीमे समेत रहलक जानकारी ई गीतक गायक नितिन गजुरेल Ilovemithila.com के देने छथि। हमर ‘दिलके डायरी’ जकाँ ई म्युजिक भिडियोके सेहो अत्याधिक सिनेह क’ देब कहैत सम्पूर्ण मैथिली भाषी श्रोतासभसंग आग्रह कएलथि।

संगीतमे मौलिकता,स्वरमे माटिक मधुरता,शब्दमे शालिनता आ भिडियोमे सभ्यता परसनिहार दर्जनो लोकप्रिय नेपाली गीत अछि।  पछिल्ला समयमे ‘दिलके डायरी’ सँ मैथिली सिनेमे नव आयाम सिद्ध कएनिहार आ राष्ट्रिय स्तरमे ‘नेपाली’ आ ‘मैथिली’ भाषा-भाषीके जोड़ि राष्ट्रिय एकता निरन्तर सबल करबाक दृढ संकल्प लक’ चलि रहल छथि।

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply