सञ्चारकर्मीसबकेँ सम्बोधन करैत मन्त्री यादवद्वारा विज्ञप्ति निकालल गेल अछि।
मन्तव्यकेँ लकऽ भ्रम पसारल गेल प्रति गहिर दु:ख व्यक्त कएलनि।
नेपालमे संघीयता, लोकतान्त्रिक–गणतन्त्र, समावेशी लोकतन्त्र, नागरिक स्वतन्त्रता प्राप्तिक लेल मधेशी, आदिवासी–जनजाती, दलित, महिला, थारु, मुस्लिम, उत्पीड़ित जाति-सामुदाय आ अल्पसंख्यक समुदायसब उपर वर्षोसँ कायम रहल शोषण, दमन, उत्पीड़न, विभेद आ असमानता अन्त्य ककऽ पहिचानसहितक संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र स्थापना करऽ लेल ऐतिहासिक मधेश जनविद्रोह, माओवादी जनयुद्ध आ जनआन्दोलनक सिलसिलामे अपन प्राणक आहूति देनिहार महान वीर सहिदसबहक स्मृति, ओ सब प्रति श्रद्धाञ्जली अर्पण करऽ प्रत्येक वर्ष माघ ५ गतेक ‘बलिदानी दिवस’ क रुपमे मनाबैत आएल सम्पूर्णकेँ सर्वविदिते अछि। ओहि क्रममे हमरासबहक पार्टीक भातृसंगठन ‘समाजवादी यूवा संघ’ द्वारा रौतहटस्थित गौरमे श्रद्धाञ्जली सभाक आयोजना कएल गेल छल । उक्त सभामे हमराद्वारा देल अभिव्यक्ति केकरो प्रति लक्षित, कोनो पूर्वाग्रह वा दूरासयपूर्ण मानसिकतासँ नइँ भऽ आपसी मतभेद नइँ करऽ आ नइँ हुअ देबऽ लेल, कोनो हिंसात्मक गतिविधिसँ जोगाबऽ शान्तिपूर्ण विधिरप्रक्रियासँ राजनीतिक गतिविधि करऽ अभिव्यक्तिकेँ पछिला समय विभिन्न माध्यमहरुद्वारा केकरो–केकरो पूर्वाग्रहपूर्ण ढंगसँ अ–अपन तरिकासँ अपव्याख्या कएलापर हमर गम्भिर ध्यानाकर्षण भेल अछि।
हमर मन्तव्यकेँ लकऽ किछु भ्रम पसारल गेल बुझऽ मे आएल अछि तइँ प्रति गहिर दु:ख व्यक्त करैत अपन कहब केकरोप्रति हिंसाक प्रयोग नइँ करब आ केकरो उत्तेजित पाड़बाक नइँ छल व्यहोरा समेत जानकारीक लागि अनुरोध करैत छी । संगहि, उक्त वक्तव्यकेँ अत्तिरञ्चित नइँ करि देबाक विनम्र आग्रह सेहो करैत छी ।
हमर वक्तव्य व्यक्तिगत रुपमे केकरो प्रति लक्षित नइँ भेलोपर तेहन भ्रम पड़ऽ गेल प्रति दुःख व्यक्त करैत छी। संगहि एकरा सामान्य रुपमे लेबाक लेल हार्दिक अनुरोध सेहो करैत छी । आगूक दिनमे एहि प्रति सचेत रहब।