News

थरूहटद्वारा आन्दोलनके घोषणा, रेशम चौधरी रिहा नइँ हेत तँ भूमिगत आन्दोलनके चेतावनी

जेलमे रहल रेशम चौधरीकेँ जनता समाजवादी पार्टी नेपाल राजनीतिक रुपमे प्रयोग क’ रहल आरोप थारु अगुवासब लगेलक।

थरूहट थारुवान राष्ट्रिय मोर्चा ‘टीकापुर थरूहट थारुवान विद्रोहके ६ वर्ष’ विषयमे आयोजना कएल गेल वृहत अन्तरक्रिया कार्यक्रममे बाजऽवला थरूहटके अगुवासभ टीकापुरमे भेल आन्दोलनके कारण बहुतेक मन्त्री आ सांसद सेहो थारुक समस्या जतऽ के ततऽ रहल आरोप लगेने छथि ।

रेशम चौधरी रिहाइ अभियानमे लागल सुरेन्द्र चौधरी रेशमके नाममे राजनीति भेल कहैत आक्रोशित भेल छल। चौधरी कहलनि, ‘टीकापुर घटनाके कारण रेशम चौधरी जेलमे छथि मुदा बाहार हुनक नाममे राजनीति भऽ रहल अछि ।’ जसपाक महन्थ ठाकुर पक्षके रेशम चौधरीके एजेण्डा उठाकऽ तत्कालीन केपी ओली सरकारमे सहभागी भेलोपर कोनो उपलब्धी हुअ नइँ सकल कहलक।

निर्वाचन आयोग जसपा नेपालक आधिकारिकताके मतदान होइत देरी रेशम चौधरीके तानातान भेल अपनाकेँ आश्चर्य लागल कहलनि । ओ कहलनि, ‘जसपाकेँ रेशम चौधरी किए चाही ? निर्वाचन आयोगमे प्रष्ट भेल। संसदमे हुनक मत नइँ चलत मुदा निर्वाचन आयोगमे मत चलत ई बातसँ रेशम चौधरी ओसबकेँ किए चाही से पुष्टि भऽ गेल ।’

थारुसब शान्तिपूर्ण तरिकासँ अपन अधिकार लेबऽ चाहि रहल छथि कहैत चौधरीकेँ नइँ छोड़लापर थारु युवासभ भूमिगत आन्दोलन करऽ तैयार रहल ओ चेतावनी देलक । ओ कहलनि, ‘हमसब शान्तिपूर्ण आन्दोलन करऽ चाहै छी, मुदा रेशम चौधरीकेँ जँ नइँ छोड़त तँ दोसर तरिकाके आन्दोलन करऽ सेहो हमसब तैयार छी।’

दोसर थारु अगुवा चन्दन चौधरी सेहो टीकापुर आन्दोलनकेँ बहुत नेतासब प्रयोग कएलक कहैत धारणा रखलनि। ओ जोड़लनि, ‘संसदमे बहुतो थारु छथि, मन्त्रीसब सेहो छथि मुदा थारुक समन्धमे कियो नइँ किछु बजै छथि, बरु एमसीसीके बारेमा बाजल, अन्य विषयसब उठाएत मुदा थारुके मुद्दा समन्ध, रेशम चौधरीके रिहाइ बारेमे नइँ बजै छथि ।’

अहिना पूर्वनिर्वाचन आयोग जसपा नेपालक आधिकारिकताके मतदान होइत देरी रेशम चौधरीके तानातान भेल अपनाकेँ आश्चर्य लागल कहलनि । ओ कहलनि, ‘जसपाकेँ रेशम चौधरी किए चाही ? निर्वाचन आयोगमे प्रष्ट भेल। संसदमे हुनक मत नइँ चलत मुदा निर्वाचन आयोगमे मत चलत ई बातसँ रेशम चौधरी ओसबकेँ किए चाही से पुष्टि भगेल अछि ।’ राजदूत विजयकान्त कर्ण सेहो रेशम चौधरीकेँ छोड़बाक आशा ओलीसँ करब अपनामे हास्यास्पद बात रहल अछि टिप्पणी कएलनि । 

ओ कहलनि, ‘जे व्यक्ति संघीयता, लोकतन्त्रकेँ समाप्त करबाक कार्यमे लागल छल , ओ व्यक्ति रेशम चौधरीजकाँ नेताके जेलसँ रिहा करत से बात कोन विश्वास करब ? ओ भ्रमित बात मात्र छल ।’ टीकापुर घटनामे दोषी देखाकऽ थुनमामे राखलसबकेँ रिहा करबाक लेल आन्दोलनबाहेक आन कोनो उपाय नइँ रहल बातक ओ धारणा रखलनि ।

थरूहट थारुवान राष्ट्रिय मोर्चा भादओ १ गतेसँ सशक्त आन्दोलनमे जेबाक घोषणा कएने अछि । भादओ १ सँ माइतीघरमे प्रदर्शन करब आ भादओ ६–७ गते विद्रोह दिवस मनाएब घोषणा कएलक।

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply