News
Sa Re Ga Ma Pa L’il Champs मे पहुँचलीह मिथिलाके धिया : दिया आ जिया

विगत किछु दिनसँ सोशल मिडियापर गीत गायनक सनसनी बनि उभरल मिथिलाक बेटी दिया झा आ जिया
झा अन्तत: सफलता प्राप्त करैत प्रसिद्ध टीवी रियलिटी शो Sa Re Ga Ma Pa L’il Champs” धरि अपन आरम्भिक
उपस्थिति दर्ज क’ लेलीह अछि। जेना सभ जनैत छी जे ई दुनू बहिन सुकण्ठक प्रतिभाशालिनी छथि। ई सभ एखन धरि तीन राउण्डमे सफलता प्राप्त करैत एतयधरि पहुँचल छथि।
आगामी १५ सितम्बर २०२२ केँ अगिला मुम्बई राउण्डमे सहभागिता हेतन्हि। बेंगलुरूमे ५००
प्रतिभागीक मध्य हिनका दुनूक चयन भेल छन्हि। एहि रियलिटी शो केर निर्णायक जज केर भूमिकामे प्रसिद्ध पार्श्वगायिक शंकर महादेवन, नीति मोहन आ अनु मलिक छथि आओर संचालिका छथि भारती सिंह। दिया आ जियाक ई सफलतासँ मिथिलावासीमे हर्ष व्याप्त अछि।