News

सखी बहिनपा मैथिलानी समूहक महा-सम्मेलन २४-२५ अगस्त दरभंगामे

Ad

‘ मैथिली सेवी सम्मान २०२२’ सँ १५ गोट मैथिलीकर्मी हेताह सम्मानित….

सखी बहिनपा मैथिलानी समूहद्वारा आगामी २४ आ २५ अगस्तक दू दिवसीय महासम्मेलन दरभंगाके दरबार हॅल (संस्कृत विश्व विद्यालय) मे तीन-तीनटा सत्रमे आयोजित कएल जा रहल अछि।

पहिल दिनक पहिल सत्रमे मैथिली लेखन प्रतियोगिता, मिथिलाक्षर लेखन प्रतियोगिता, विद्यार्थीसबहक लेल मिथिला चित्रकला प्रतियोगिताक आयोजन हएत।

पहिल दिनक दोसर सत्रमे संस्थाक दिससँ पछिला किछु वर्षमे विशेष योगदान देनिहारि सखीसबकेँ विशिष्ट सम्मानसँ सम्मानित कएल जएत।पहिल दिनक तेसर सत्रमे मैथिली सेवा सम्मान समर्पण कएल जएत आ दोसर दिन विविध सत्रक संग वृहत झाँकी प्रदर्शन कएल जएत।

सखी-बहिनपाक संस्थापक आरती झा आइ लभ मिथिला डॅट कमसँ बात करैत जानकारी देलनि जेँ मिथिला क्षेत्र आ मैथिली भाषाक लेल उत्थान एवं विकासक लेल उल्लखेनिय कार्य कएनिहार १५ गोटेकेँ ‘मैथिली सेवी सम्मान २०२२’ सँ सम्मानित कएल जएत।

जइँमे भारतीय मिथिलासँ प्रसिद्ध साहित्यकार एवं उद्घोषक अजित आजाद, प्रसिद्ध उद्घोषक, पत्रकार एवं गीतकार किसलय कृष्ण, चर्चित कवि राजीव एकान्त झा, ओजस्वी लेखक डाॅ अरूणाभ सौरभ, मिथिला अभियन्ता रोहित यादव, मिथिला मिरर पत्रकार स्नेहा झा, राजेशा झा, रोशन चौधरी, उदय शंकर मिश्रा, दिलीप झा, प्रितम निषाद रहल छथि।

तहिना नेपालीय मिथिलासँ सुप्रसिद्ध गायक एवं सङ्गीतकार सुनिल मल्लिक, सर्वप्रिय रेडियो कार्यक्रम हेल्लो मिथिला संचालिका आ लोकप्रिय गायिका एवं कवयित्री रूपा झा, चर्चित कवि, गीतकार एवं उद्धोषक विद्यानन्द वेदर्दी आ चर्चित युवा कवि, गजलकार एवं मैथिली मिडियाक क्रान्तिकारी अभियन्ता गजेन्द्र गजुरकेँ ‘मैथिली सेवा सम्मान २०२२’ सँ सम्मानित कएल जा रहल अछि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles

Leave a Reply