News

मैथिली सिनेमाक बढ़ैत डेग समानांतर – द पैरेलल : किसलय कृष्ण

व्यावसायिकताक बाट पर निरन्तर पिछड़ि खसैत रहबाक बादो मैथिली फिल्म निर्माण’क यात्रा अबाध रूपेँ नहि मात्र बढ़ि रहल अछि, अपितु किछु नव आ दृष्टिसम्पन लोकक प्रयास सँ वैश्विक परिचिति बना रहल अछि ! ललका पाग, गामक घर, धुइन, लोटस ब्लूम्स आदि भारतक महत्वपूर्ण फिल्म फेस्टिवल होइत विश्वक श्रेष्ठतम कान फेस्टिवल धरि मैथिली सिनेमाक प्रतिनिधित्व क’ चुकल अछि , तँ प्रयोगधर्मी निर्देशक नितिन चन्द्रा निर्देशित मैथिली फिल्म ‘मिथिला मखान’ केँ वर्ष २०१५ मे ६३म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार प्राप्ति सँ मैथिली फिल्म केँ राष्ट्रीय ख्याति आ गौरव प्राप्त भेल छल । पुन: नितिन निर्देशित ‘जैक्सन हाल्ट’ प्रसिद्धि’क बाट पर अग्रसर सिद्ध भेल अछि !
… आ आब एहि कड़ी मे जुड़ि गेल अछि वर्ष २०२१ मे निर्मित आ ६९म राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार हेतु चयनित मैथिली फिल्म “समानांतर – द पैरेलल” ! अनिरति फिल्म्स संग न्यू लाइफ इण्टरटेनमेंट इण्डिया प्रा. लि. लेल एहि फिल्मक निर्देशन कयने छथि युवा निर्देशक नीरज कुमार मिश्रा आ बतौर निर्देशक ई हुनक पहिल फीचर फिल्म छन्हि । नीरज मूल रूप सँ मिथिला’क सुपौल जिलान्तर्गत कर्णपुर गामक निवासी छथि आ हिनक नेनपन सँ युवावस्था सहरसा’क गंगजला मोहल्ला मे बीतलन्हि अछि । राजनीति विज्ञान मे स्नातक निर्देशक नीरज मिश्रा मास कम्युनिकेशन’क अध्ययनोपरान्त मायानगरी मुम्बई मे विगत डेढ़ दशक सँ कार्यरत ओ संघर्षरत छथि । एहिक्रम मे कतेको फिल्म, धारावाहिक आदिक लेखन आ नेपथ्य सँ जुड़ल रहलाक उपरान्त चर्चित हिन्दी फिल्म ‘बागी – २’क लेखक रूप मे हिनक परिचिति पटल पर सोझाँ आएल । कोरोनाकालीन लॉकडाउन’क खाली समयक उपयोग करैत नीरज अपन गृहनगर सहरसा मे स्थानीय रंगकर्मी सभक सहयोग सँ एहि फिल्मक परिकल्पना केँ कैमरा मे कैप्चर करबाक महत्वपूर्ण काज कयलन्हि आ विगत वृहस्पति’क साँझ उनहत्तरम राष्ट्रीय फिल्म पुरस्कार’क घोषणा होइते राष्ट्रीय स्तर पर चर्चित होइत मिथिला’क गौरव रूप मे सोझाँ अयलाह अछि । तेँ एक बेर पुन: बधाइ ।
हाँ… एहि पुरस्कार घोषणा सँ पूर्व मैथिली सिनेमाक परिदृश्य मे नीरज मिश्रा’क फिल्म ‘समानांतर – द पैरेलल’क कोनो खास चर्च नहि छल आ तकर कारण सभ कहियो बाद मे पड़ताल करब । विगत दूइ वर्ष मे भारत’क विभिन्न फेस्टिवल मे उपस्थिति संग इटली धरि’क यात्रा क’ चुकल एहि फिल्मक स्क्रीनिंग किछु मास पूर्व बिहार दिवस समारोह’क अवसर पर पटना’क मोना सिनेमा मे भेल छल आ वाह वाही सेहो भेटल रहनि निर्देशक आ टीम केँ !
फिल्मक विषयवस्तु चारि टा अलग-अलग कथानक’क कोलाज अछि, जकरा सकारात्मक रूपेँ परदा पर चित्रित करबा मे सफल भेल छथि निर्देशक । मनुक्ख अपन कर्म करैत अछि तकर फल सेहो भेटैत अछि । लेखक – निर्देशक’क मानब छन्हि जे हम सभ कर्म करैत छी आ फल दै वला कोनो अदृश्य शक्ति छैक जे जीवन जगत’क समानांतर चलैत रहैत अछि आ जीवन सँ आत्मा धरिक यैह ताना – बाना बुनैत एकटा रोचक दृश्यकाव्य अछि मैथिली सिनेमा ‘समानांतर – द पैरेलल’ ! लगभग डेढ़ घण्टाक एहि फिल्मक छायांकन सँ सम्पादन धरि उच्च कोटिक अछि आ ध्वन्यांकन संग पार्श्व संगीत चमत्कृत करैत अछि ! फिल्मक संवाद ठेठ मैथिलीक ठाठ संग आंचलिक हिन्दी’क प्रयोग सेहो भेल अछि ।

Ad

एहि फिल्मक संदर्भ मे विश्वप्रसिद्ध फिल्म समीक्षक सुभाष के. झा कहैत छथि, जे ” समानान्तर संस्कृत भाषा सँ आयल शब्द अछि मने “समानांतर” आ ई फिल्म रूपक जकाँ यैह बात कहैत अछि । जखन मनुक्ख अपन अनैतिक आ खराब काज सभ सँ सीमारेखा’क उल्लंघन करैत अछि, तँ कोना समानांतर मे अदृश्य शक्ति प्रकट होमय लगैत अछि ।”
तहिना एहि फिल्मक प्रस्तुतकर्ता आ ऑस्कर अवार्ड सँ सम्मानित साउण्ड डिजाइनर रसूल पुकुट्टी’क कहब छन्हि ” जखन हम नीरज मिश्रा’क स्क्रिप्ट पढ़लहुँ तँ चकित रहि गेलहुँ । ई बिहार आ बिहारी’क रूढ़िवादी छवि केँ तोड़ैत अछि आ तेँ एहि प्रोजेक्ट सँ जुड़लहुँ । ”
तहिना एहि फिल्मक फर्स्टलुक जारी करैत वालीवुड’क महानायक अमिताभ बच्चन अपन ९ सितम्बर २०२१’क फेसबुक पोस्ट (३०५४) मे कहैत छथि जे ” ई फिल्म हमर ल’ग पास’क घटनाक्रम, लोभ-लालच, विकृति आ पश्चाताप सँ प्रेरित चारिटा कथा’क अद्भुत संकलन अछि । युवा सभक टीम केँ बधाइ । ”

एहि तरहेँ देखल जाय तँ ठीके समानांतर – द पैरेलल मैथिली सिनेमाइ परिदृश्य लेल तँ सहजहिं निर्देशक नीरज कुमार मिश्रा लेल सेहो मीलक पाथर सदृश अछि । भरोस अछि जे नीरज आब निरन्तर सार्थक काज करैत रहताह आ आन काज सभक समानान्तर मातृभाषा मे सेहो नित नव करैत रहताह !
हाल.. एतय टीमक किछु महत्वपूर्ण लोक सभक चर्च नहि करब बेमानी हैत । न्यूनतम संसाधन मे उत्कृष्ट रूप मे सोझाँ आयल एहि फिल्मक सिनेमेटोग्राफी कयलन्हि अछि अर्चित मिश्रा आ पुलकित रथी, तहिना संगीत अभिजीत हेगड़े पाटिल आ ध्वन्यांकन अरुण ज्योति शर्मा’क छन्हि ।संकलन (एडिटिंग) अफजल शेख, डिजीटल इंटीग्रेशन सादिक शेख द्वारा भेल अछि । फिल्मक कार्यकारी निर्माता अतुल पाण्डेय आ स्थानीय स्तर पर लाइन प्रोड्यूसर’क काज रंगकर्मी कुन्दन कुमार वर्मा कयने छथि । अभिनय पक्ष मे बाहरी आ सहरसा’क स्थानीय रंगकर्मी सभक सहभागिता रहल अछि , जाहि मे प्रमुख छथि अभिषेक वाजपेयी, राम कुमार भगत, रोहित झा, शाश्वत आनन्द, प्रियांशु राजगुरु, नरेन्द्र कुमार टुनटुन आदि । सभक अभिनय साधल छन्हि । निर्देशक अनुसार आब शीघ्रे ई फिल्म सार्वजनिक प्रदर्शन संग सभक सोझाँ आओत ।

National Film Awards Niraj Kumar Mishra
Maithili Entertainment Maithili Cineworld

किसलय कृष्ण

Guest Writer of I Love Mithila. Kislay Krishna is a famous anchor, lyricist & journalist of Maithili Industry

Related Articles