News

लोक गायिका सारदा सिन्हाके सम्बन्धमे एकटा दुखद खबरि

मैथिली,भोजपुरी तहिना हिन्दीयोमे गीत गाबि चर्चित लोक प्रिय गायिका सारदा सिन्हा आइ फेसबुक लाइभमे अएल छथि। एहि लाइभमे अपन श्रोताके निराशाके खबरि सुनाैलनि।महामारी एखन ततेक नइँ बढ़ि गेल छै जे विश्वमे प्रत्येक व्यक्तिके कोनो समय लागि सकैए।

Ad

View Also: Top 15 Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

हम प्रत्येक सावधानी अपनेलहुँ मुदा…तइयो एना किए थाह नइँ कखनो किछू भ सकैए

सारदा सिन्हा

अहाँ सभ जतेक सकै छियै , ततेक सावधानी अवश्य अपनाबी,अहाँ सभकेँ शुभकामना रहत तँ जल्दीए घुरिक आएब।

Top 15 Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila,Shrada Sinha
Images By Sharda Sinha

जिनकर गीत जँ कि कोनो शुभ काममे नहि बाजए तहन ओहिठाम बेस जरूरी मानल जाइत अछि आ झुझूआनपन सेहो अगोरि कऽ बसि जाइत छैक । एहिठाम हम गप कऽ रहलहुँ अछि मिथिलाञ्चलक सुप्रसिद्ध लोक गायिका श्रीमती शारदा सिन्हा जीकेँ । विगत किछु माससँ जेना एहि विशाल सुन्दर कायाक प्रकृतिमे किछु बिष जेना उधियाइत होइक आ हमरा सभ मानव जीवन ओहिमे व्यतीत

करबाक लेल बाध्य भऽ असह्य पीडा, अपनत्वसँ बारल , पर्दाक पाछू अहूरिया कटैत ठोरक मुस्कान सभ बाध्य भेल अछि ।

View Also: Top 15 Most Famous List of Maithili Female Singer in Mithila

एहन सन एहि विषम घडीमे लोक गायिका आदरणीय श्रीमती शारदा सिन्हाजी एहि कोरोना महामारीसँ संक्रमित हाेएब हमरा सभक लेल पीडादायी समाद अछि, तें हम सभ लोक गायिका शारदा सिन्हा जीकेँ शीघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना करी सँगहि हमरा सभक मैथिलीक सहोदरि अपन जानकीसँ सभ कियो प्रार्थना करी आ एहन सन अकलबेरामे हुनके धेयान धऽ शुभ शुभ होएबाक वरदान मागी ।  जगतकेँ कल्याण करथि  ।

Facebook here

 

गजेन्द्र गजुर

Gajendra Gajur [गजेन्द्र गजुर] is News Editor of Ilovemithila.com . Maithili Language Activist. He is Also Known for His Poetry. One of the Founder of Music Maithili App. गजेन्द्र गजुर एहि वेबसाइटक समाचार संयोजक छथि। कवि सेहो छथि। Email- [email protected],

Related Articles

Leave a Reply