News

गायक सन्तोष सानुक ‘सयौँ जुनी’ गीत चर्चामे

सन्तोष सानु आ मेलिना राईक आवाजमे रहल नेपाली म्यूजिक भिडियो ‘सयौं जुनि‘ अखन सङ्गीतप्रेमी श्रोतासबद्वारा चर्चा बटोरि रहल अछि। सन्तोष सानु आ रवीन्द्र आशिष शैलीक शब्दमे उक्त गीत ‘कुसुमा म्युजिक‘ नामक यूटुब चैनलसँ एक हप्ता पहिने सार्वजनिक कएल गेल अछि।

Ad

दिलीप ओखेडा आ अन्जु चौलागाईंक प्रेमिल अभिनयमे रहल उक्त गीतक म्यूजिक एरेन्ज परपल डिजिटल रेकर्डिङ्गक फणीन्द्र राई कएने छथि त म्यूजिक कम्पोज सन्तोष सानु स्वयं कएने छथि। गीतक रेकडिस्ट मनिष लामा, मिक्स एण्ड मास्ट्ररिग सुमन खड्का कएने छथि।

जिवन शाहीक निर्देशनमे छायाकंन भेल म्यूजिक भिडियोक सिनेमेटोग्राफर दिपेन बस्नेत आ सम्पादन वरोनित विसुङ्खे कएने छथि त मेकॅप नन्द अधिकारीक रहल अछि । निर्माता द्रोण त्रितालद्वारा निर्मित उक्त म्यूजिक भिडिओ कुसमा म्यूजिक प्रस्तुत कएने अछि।

■ Watch Video on Youtube :-

विद्यानन्द बेदर्दी

Vidyanand Bedardi (Saptari, Rajbiraj) is Founder member of I Love Mithila Media & Music Maithili App, Secretary of MILAF Nepal. Beside it, He is Lyricist, Poet, Anchor & Cultural Activist & awarded by Bisitha Abhiyanta Samman 2017, Maithili Sewi Samman 2022 & National Inclusive Music Award 2023. Email : [email protected]

Related Articles

Leave a Reply