एहि बर्षके एसईई परीक्षा सेहो विद्यालयक आन्तरिक मूल्याकंनेके आधारमे लेल जाएत। मन्त्परिषद्के बैठक तिव्रगतिसँ पसैर रहल कोरोनाके कारणेँ परीक्षा एहु बेर सञ्चालन कएल नइँ पार लागत तइँ आन्तरिक मूल्यांकनेँसँ करबा निर्णय लेलक अछि।
तहिना, नवका शैशिक सत्र अखार महिनासँ सुरु कएल जएबाक मन्त्रिपरिषद् निर्णय लेलक ” से भूमि व्यवस्था, सहकारी तथा गरीबी निवारण मन्त्री शिवमाया तुम्बाहाङ्फे जानकारी देलथि।
अखार महिनासभ पहिने एसईईपरिक्षाके आन्तरिक मुल्यांकन भऽ जएबाक तयारी रहल शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालय जानकारी देने छै।
बितल साल सेहो महामारीके कारण आन्तरिक मूल्यांकनेँके आधारमे एसईईके नतिजा निकालल् गेल रहए। एहिबेरक लेल राष्ट्रिय परीक्षा बोेर्ड अलगे कार्यविधि तयार कएने रहए । एहुबेर सेहे कार्यविधिसँ मूल्यांकन कएल जाइबला अछि, मुदा बोर्ड कार्यविधिमे संशोधन भऽ सकै छै कहने अछि। विज्ञसभ बितल सालके कार्यविधिमे कमीकमजोरी छलै तकरा एहिबेर संशोधन करऽ पड़त बतौने छथि।
बितल सालके एसईई सञ्चालन कार्यविधिअनुसार विद्यालयद्वारा कएल अन्तिम मूल्यांकनक विवरण सम्बन्धित जिल्लाके शिक्षा विकास तथा समन्वय इकाइमे पठेबाक आ शिक्षा विकास तथा समन्वय इकाइ राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डमे पठाबऽ पड़तसे व्यवस्था छलै । परिक्षाके नतिजा विवरणके आधारमे बोर्ड परीक्षा नतिजा तयारी करि प्रकाशन तथा प्रमाणीकरणके सङ्गे प्रमाणपत्र जारी करैबला बात उल्लेख अछि।
एहिसँ पहिने जेठ १३ गतेसँ कहल गेल एसईई राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड कोरोना महामारीक कारण रोकि देने छलै । बोर्डके हिसाबसँ ५ लाख १७ हजार विद्यार्थी एसईईके परिक्षार्थी छै। अवस्था नियन्त्रणसँ बहार रहलाक कारण देशभरिक २ हजार १९ परीक्षा केन्द्रमे परीक्षा सुरु नइँ हुअ सकतसे बोर्ड कहने छल।
तहिने बोर्डद्वारा जेठ २६ गतेसँ कहल गेल कक्षा १२ के परीक्षा सेहो रोकि देने छल । कक्षा १२ के परीक्षा कोना लेब? निर्णय एखनो सरकार नइँ लेने अछि । कक्षा १२ के परीक्षा कोनाक लेबै एहि बिषयमे मन्त्रालय आन्तरिक बातचितमे लागल छै मुदा निर्णयमे एखनो बाकीए अछि।