News

SEE के नतिजा ३ दिन भितरमे

माध्यामिक शिक्षा परीक्षा (एसईई) के नतिजा ३ दिन भितरमे सार्वजनिक होएत से निर्णय भेल अछि । राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डक अध्यक्ष डा. चन्द्रमणि पौडेल दु- तीन दिन भितर सार्वजनिक करब से जानकारी देलथि।

‘दू/तीन दिनभितर नतिजा सार्वजनिक करब। कोरोना भाइरसक कारणसँ विलम्ब भेल। सरकार बैठकसमेत नइँ राखब कहने अछि । मार्कसिट सेहो पठेबाक अवस्था नइँ अछि । यद्यपि, नतिजा आब सार्वजनिक करब’, ओ कहलथि।

२० साओन भित्तर नतिजा सार्वजनिक कर’ लेल तयारी कएलोपर कोरोना संक्रमितक सङ्ख्या बढैत गेलपर रोकल गेल छल। ई वर्ष कोरोनाक कारण परीक्षा नइँ भेलाक बाद विद्यालयद्वारा कएल मूल्याङ्कनक आधारमे बोर्ड नतिजा सार्वजनिक कर’ लागल अछि।

Vidyanand Bedardi

विद्यानन्द वेदर्दी जी एहि वेबसाइटके सम्पादक छथि। Email - [email protected]

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

Back to top button

Adblock Detected

Please Disable Adblocker and Help Us to Grow !