News

नवराजपुर सिरहाक माँ हजारी स्कूलमे singing audition सम्पन्न

सोनवर्षा, नवराजपुर (सिरहा) मे बौआबुच्चीक संगीत शिक्षा शुभारम्भक प्रारूप तैयारी सम्बन्धमे singing audition सु-सम्पन्न भेल अछि।

Ad

आयोजक विद्यालय माँ हजारी इ.बो. स्कूलक संस्थापक शिवदेव साह, पालिका अध्यक्ष शिवउद्गार यादव आ विभिन्न अध्यात्मिक व्यक्तित्वसभक उपस्थिति तथा अभिव्यक्ति रहल छल।

ओइ अवसरपर एलकेजीसँ कक्षा ८ धरिक ४४ टा विद्यार्थी संगीत शिक्षाक लेल अपन इच्छा दर्शाबैत गीत प्रस्तुत कएने छलथि।

सञ्चारकर्मी तथा लोकप्रिय लोकगायिका रुपा झा, कवि एवं गीतकार सुरेश गुप्ता आ चर्चित गायक तथा विद्यालयमे संगीत शिक्षा देनिहार तेजू मैथिल संगीत शिक्षा लेल उपयुक्त विद्यार्थीसभक चयन कएने छलथि।

कार्यक्रममे विद्यालयक प्रिन्सिपल लक्ष्मण राय, पत्रकारद्वय महेश सिंह आ रहमूल राइन, मैथिली अभियानी नारायण मधुशालाक संगहि क्षेत्रक अनेको गन्यमान्य व्यक्तित्वसभक सहभागितासँ समारोह साधारणो बगय-बानिमे बेस आभामय भेल बात कार्यक्रमक विशिष्ट अतिथि सुप्रसिद्ध साहित्यकार, सङ्गीतज्ञ एवं सञ्चारकर्मी धीरेन्द्र प्रेमर्षि सामाजिक संजालपर लिखैत बतौने छथि।

न्युज डेस्क

मैथिली समाचार गतिविधि लेल (I Love Mithila न्युज डेक्स ) । I Love Mithila मे न्युज तथा लेख मुलत: प्रेषित करैत अछि। मैथिली भाषाक नेपालीय मिथिलासँ प्रकाशित अनलाइन समाचार बेवसाइट छी। एकर स्थापना सन् २०२० मे भेल छल।

Related Articles