News

सिर्सिया नदी बचाबऽ लेल वीरगन्जसँ काठमाण्डूधरिक पैदल यात्रा

Ad

सिर्सिया नदीक संरक्षणके लेल संघीय सरकारकेँ दबाब देबऽ लेल कन्हापर नदीक दूषित पानि राखि पैदल यात्रापर निकलल अभियन्ता सभ काठमाण्डू पहूंचल छथि।

हेटौंडा, नारायणगढ़, मुग्लिङ होइत शनि दिन साँझ थानकोट पहुँचल ओ सब एहि राति मातातीर्थमे रहताह। वीरगन्ज क्षेत्रक उद्योग आ कलकारखानाक फोहोर-गंदगी, रसायनयुक्त पानि आ ढल सोझे सिर्सिया नदीमे मिलाएलसँ नदी आ पर्यावरण संकटमे पड़ल कहैत राजधानी काठमांडू पहूंचल अभियन्ता सब गत जेठ ४ सँ ओसभ पैदलयात्रा सुरु कएने रहथि।

रवि दिन भोरे माइतीघर मण्डलामे पहुँचकऽ ओसभ धर्ना देताह आ प्रदर्शन करताह से बात बताओल गेल अछि।

कैलाश कुमार ठाकुर

कैलाश कुमार ठाकुर [Kailash Kumar Thakur] जी आइ लभ मिथिला डट कमके प्रधान सम्पादक छथि। म्यूजिक मैथिली एपके संस्थापक सदस्य सेहो छथि। Kailash Kumar Thakur is Chef Editor of ilovemithila.com email - [email protected], +9779827625706

Related Articles